11.7 C
London
Sunday, March 1, 2026

पूर्वी मिथिला मे घुसपैठ पर रोक लगेबा लेल अमित शाह पूर्णिया मे केलनि हाईलेवल मीटिंग

– उच्चस्तरीय बैसार कए दिल्ली लेल भेलाह विदा, सीमांचल मे तस्करी विरोधी रणनीति तैयार

पूर्णिया, समदिया

देशक गृह मंत्री अमित शाह शुक्र दिन बिहारक पूर्णिया मे उच्चस्तरीय बैसार केलनि। जानकारी अनुसार एहि बैसार मे पूर्वी मिथिला क्षेत्र मे मादक पदार्थक तस्करी पर रोक लगेबा लेल विस्तृत रणनीति तैयार कयल गेल। संगहि सीमावर्ती जिलासभ मे आंतरिक सुरक्षा आ घुसपैठ सन गंभीर विषयसभ पर सेहो समीक्षा कयल गेल। बैसारक उपरांत हुनकर तीन दिवसीय बिहार दौरा समाप्त भए गेल। गृह मंत्री शुक्र दिन अपराह्न बाद पूर्णिया सं दिल्ली लेल विदा भए गेलाह।

पूर्णिया मे ई बैठक लगभग ढाई घंटा धरि चलल। एहि मे केंद्रीय गृह राज्य मंत्री नित्यानंद राय, बिहारक गृह मंत्री सम्राट चौधरी, राज्यक मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत, डीजीपी विनय कुमार सहित गृह विभाग, एसएसबी, नारकोटिक्स, आईबी आ अन्य विभागक वरिष्ठ अधिकारी उपस्थित छलाह।

केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह 25 फरवरी कें पूर्वी मिथिला क्षेत्रक तीन दिवसीय दौरा पर पहुंचल छलाह। पहिल दिन ओ किशनगंज जिला मे विभिन्न कार्यक्रम आ बैठक मे सहभागी भेलाह। 26 फरवरी कें ओ अररिया जिला मे सशस्त्र सीमा बलक दू सीमा चौकीक उद्घाटन केलनि आ 175 करोड़ टाकाक विभिन्न परियोजनाक शुभारंभ केलनि। संगहि सीमावर्ती जिलासभक अधिकारीसभ संग समीक्षा बैठक सेहो सम्पन्न भेल।

सीमांचल मे घुसपैठ पर रणनीति

नेपाल आ बांग्लादेश सीमा सं सटल पूर्वी क्षेत्र मे घुसपैठ रोकबाक लेल सेहो एहि दौरा मे महत्वपूर्ण रणनीति बनाओल गेल। गृह मंत्री बृहस्पति कें  अररिया मे घोषणा केलनि जे सीमांचल मे घुसपैठ रोकबाक योजना शीघ्र आरंभ कयल जायत। सीमांचल क्षेत्र मे पूर्णिया, अररिया, किशनगंज आ कटिहार जिला सम्मिलित अछि। ई क्षेत्र भारत लेल सुरक्षा दृष्टि सं अत्यंत महत्वपूर्ण सिलीगुड़ी कॉरिडोर, जे चिकन नेक नाम सं प्रसिद्ध अछि, ओकर प्रवेश द्वार मानल जाइत अछि। किशनगंज जिलाक किछु अंश सेहो एहि कॉरिडोर मे अबैत अछि।

सीमांचल सं बांग्लादेश सीमा अत्यंत निकट अछि। एहि कारणें एतय बांग्लादेशी आ रोहिंग्या द्वारा घुसपैठक दावा समय-समय पर कयल जाइत रहल अछि। सरकारक कथन अछि जे विगत किछु वर्ष मे जनसांख्यिक संरचना मे भेल परिवर्तन घुसपैठक संकेत दैत अछि।

तीन दिवसीय दौरा काल मे आंतरिक सुरक्षा, घुसपैठ, सीमा प्रबंधन आदि महत्वपूर्ण विषयसभ पर विस्तारपूर्वक समीक्षा कयल गेल। गृह मंत्री सीमावर्ती जिलासभ मे घुसपैठ रोकबाक, जनसांख्यिक परिवर्तन पर निगरानी रखबाक, अवैध निर्माण पर कार्रवाई करबाक आ सुरक्षा सुदृढ़ करबाक कड़ा निर्देश देलनि।

सीमा समीप सं अतिक्रमण हटत

गृह मंत्री अमित शाह बिहार मे नेपाल सीमा सं सटल क्षेत्रसभ मे अतिक्रमण हटेबाक निर्देश देलनि। अधिकारीसभ कें कठोर आदेश देल गेल जे आवश्यकता पड़ला पर बुलडोजर कार्रवाई सेहो कयल जाय। सीमा सं दस किलोमीटरक परिधि भीतर कोनो प्रकारक अतिक्रमण नहि रहय, ई सुनिश्चित कयल जायत।

बिहार सरकार नेपाल आ बांग्लादेश सीमा सँ सटल सीमांचल क्षेत्र मे घुसपैठिया सभ पर कार्रवाई आरंभ क’ देलक अछि। मुस्लिम बाहुल्य किशनगंज जिला मे सरकार आब बाहरी लोक द्वारा स्थानीय भूमिसभ पर कयल गेल कब्जाक मामिलाक जांच करत। बाहरी लोक द्वारा कागज-पत्र तैयार करबाक प्रक्रिया केर परीक्षण लेल विशेष समिति गठन कयल जायत। ई घोषणा उपमुख्यमंत्री विजय कुमार सिन्हा शुक्र दिन विधानसभा केर बजट सत्र मे केलनि।

बॉक्स

किशनगंज मे बाहरी लोकक जमीनक जांच करत नीतीश सरकार

ठाकुरगंज सं जनता दल (यूनाइटेड) केर विधायक नीरज अग्रवाल गैर-सरकारी संकल्प द्वारा ई विषय सदन मे उठौलनि। हुनकर कथन छल जे किशनगंज जिलाक दिघलबैंक प्रखंड मे विगत 40 वर्ष मे भूदान अंतर्गत स्थानीय दलित, आदिवासी आ गरीब मुस्लिम सभक नाम कयल गेल भूमिसभ पर बाहरी लोक कब्जा कए लेने अछि। हुनकर दावा छल जे एहन 90 प्रतिशत भूमिसभ पर पछिला 10 वर्ष मे पश्चिम बंगालक मालदा आ मुर्शिदाबाद सं आयल लोक अधिकार जमा लेने अछि।

विधायक कहलनि जे ठाकुरगंज विधानसभा क्षेत्र चिकन नेक क्षेत्र मे अवस्थित अछि, जे भारत लेल अत्यंत संवेदनशील मानल जाइत अछि। प्रारंभ मे राजस्व आ भूमि सुधार मंत्री सह उपमुख्यमंत्री विजय सिन्हा एहन कोनो मामिला सं मना केलनि, मुदा प्रमाण देल जाए पर जांच आ आवश्यक कार्रवाई करबाक आश्वासन देलनि। एकर बाद ओ विशेष समिति गठन कए जांच करेबाक घोषणा केलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here