बिहार कैबिनेटक बैठक मे कृषि विभाग सं लए कए प्रोफेसर पद धरि बहालीक मंजूरी
बेरोजगार युवक सभकें नव वर्षक तोहफा
फोटो 101
पटना । बिहार मंत्रिमंडलक मंगलदिन भेल बैठक मे विभिन्न विभाग सभ मे रिक्त पद सभ पर नियुक्तिक मंजूरी देल गेल अछि। संगहि कतेको विभाग मे नव पद सृजन केर प्रस्ताव पर सेहो स्वीकृति देल गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अध्यक्षता मे भेल मंत्रिमंडल बैठक मे कुल 43 प्रस्ताव सभ पर मंजूरी देल गेल अछि। बिहार मे नव सरकार गठन भेलाक बाद नीतीश सरकार द्वारा नौकरी आ रोजगारक सवाल पर विशेष कार्य योजना तय करेबाक तैयारी कएल जा रहल अछि, जाहि सं राज्य मे पैघ स्तर पर नौकरी आ रोजगारक सृजन संभव भए सकय।
मंत्रिमंडल बैठकक बाद एक अधिकारी जानकारी देलनि जे बैठक मे युवा, रोजगार आ कौशल विकास विभाग, बिहार, पटना कें आवंटित कार्य सभक संपादन लेल विभागक सचिवालय मे 15 नव शाखा सृजन करबाक स्वीकृति देल गेल अछि, जाहि लेल विभिन्न कोटिक कुल 147 पद सृजित कएल गेल अछि। एहिना कृषि विभागक अधीन विभिन्न कार्यालय सभ मे 534 पद आ पौध संरक्षण निरीक्षकक 160 पद, एहि तरह कुल 694 पदक स्वीकृति देल गेल अछि।
एहि क्रम मे डेयरी, मत्स्य आ पशु संसाधन विभाग मे 200 पद सभ पर बहालीक स्वीकृति देल गेल अछि। मंत्रिमंडल बैठक मे मुंबई मे बिहार भवन निर्माण लेल 314 करोड़ 20 लाख रुपया केर प्रशासनिक स्वीकृति सेहो देल गेल अछि। संगहि दरभंगा हवाई अड्डाक लग लॉजिस्टिक पार्क आ कार्गो हब निर्माण लेल 50 एकड़ भूमि अधिग्रहण करबाक खातिर 138 करोड़ 82 लाख 88 हजार रुपया केर स्वीकृति देल गेल अछि।
राजकीय पॉलिटेक्निक कॉलेज, बगहा मे 45 शैक्षणिक पद आ 61 गैर-शैक्षणिक पद, कुल 106 पद सृजन करबाक मंजूरी देल गेल अछि। ओहि तरह पटना उच्च न्यायालय मे मानदेय संविदा आधार पर चार विधि सहायक पद सृजन आ पहिने सं सृजित 45 विधि लिपिक पदक नामकरण विधि सहायक करबाक प्रस्ताव पर सेहो मंत्रिमंडल द्वारा मंजूरी देल गेल अछि।



