9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

अरिपन मैथिली नाट्य मंच केलक नव कमिटीक गठन, किशोर कुमार चौधरी बनलाह अध्यक्ष

अरिपन मैथिली नाट्य मंच 2025 -2028 सत्रक लेल पदाधिकारी चुनाव सम्पन, 28 फरवरी कें स्थापना दिवस पर मानचित होयत नाटक- “रक्त”

पटना, समदिया 

अरिपन मैथिली नाट्य मंच 2025 -2028 सत्रक लेल पदाधिकारी गणक सर्वसम्मति सं चुनाव भेल जाहिमे  अध्यक्षक लेल किशोर कुमार चौधरी, उपाध्यक्ष मनोज कुमार झा, उपाध्यक्ष रविंद्र बिहारी राजू, महासचिव ललित कुमार झा, संयुक्त सचिव रश्मि मिश्रा, संयुक्त सचिव प्रशान्त कुमार मिश्र, कोषाध्यक्ष कपिल मल्लिक, संगठन सचिव विनोद मिश्र, आ प्रचार सचिवक लेल अमलेश आनंद कें चुनल गेल । अरिपन मैथिली नाट्य मंच पिछला चालीस बरख सं निरंतर रंगमंचीय गतिविधि मे सक्रीय अछि. मैथिली नाट्य मंच जकर संस्थापक अध्यक्ष भारतीय प्रशासनिक सेवाक अधिकारी मंत्रतेश्वर झा रहि चुकल छथि आ अखनो संरक्षकक के रूप मे संस्थाक उन्नति लेल प्रयत्नशील छथि ।

हुनकर आ प्रख्यात पत्रकार ( इंडियन नेशन) तथा चेतना समितिक पूर्व सचिव स्वर्गीय गजेन्द्र नारायण चौधरी जीक नेतृत्व मे अरिपन नब्बे के दशक में लगातार सात अंतरराष्ट्रीय मैथिली नाट्य समारोह कए अप्पन पताका फहरौने छल । ओकर बादो लगातार अप्पन प्रस्तुति सं समाज मे सम्मानक संगे अप्पन उपस्थिति बनौने रहल । एम्हर किछु समय से कनि संक्रमण काल सं गुजरल मुदा आब लोक सब केँ विश्वास छनि जे नव अध्यक्ष किशोर चौधरी जे चेतना समितिक कार्यकारिणी सदस्य सेहो छथि, के नेतृत्व मे पुनः अप्पन स्वर्णिम काल वाला प्रतिष्ठा के प्राप्त करत।

विवेकानन्द झा, अध्यक्ष, चेतना समितिक अध्यक्षता मे विद्यापति भवन मे आहूत एकटा बैसार मे निर्णय लेल गेल जे अरिपनक स्थापना दिवसक उपलक्ष्य मे अहि वर्ष 28 फरवरी 2026 कें विद्यापति भवनक प्रेक्षागृह मे संध्या 5 सं एकटा संछिप्त सांस्कृतिक कार्यक्रम आ डॉक्टर अरविंद अक्कू लिखित नाटक “रक्त” केर मंचन कएल जायत ।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here