6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

हथियारबंद बदमाश किराना दोकान सं लाखोक लूटपाट कएलनि

सीतामढ़ी, समदिया

खाप खोपराहा पंचायतक छोटी भांडसर गाम स्थित वाइब्रेंट विलेज कन्हौली क्षेत्र फेर सं अपराधी सभक निशाना बनि गेल अछि। बीतल बीच राति हथियारबंद बदमाश किराना व्यवसायी रामाशंकर गुप्ताक आवासीय दोकान पर धावा बोलि बम धमाका करैत लाखो रुपैयाक लूटपाट कएलनि।

जानकारी अनुसार बदमाश सभ पहिने सं घरक पाछाँ खेत मे नुकायल छल। जखन गृहस्वामीक पुत्र शत्रुघ्न कुमार घरक ग्रिल बंद करैत छल, तखन अपराधी सभ धक्का द’ क घर मे प्रवेश कएलक। विरोध करबा पर ओकरा संग मारपीट कएल गेल। शोर मचबैत ओ कन्हौली बाजार दिस भागि गेल, ओतबे मे बदमाश सभ घर भीतर घुसि गेल। डकैत सभ 4–5टा बम फोड़ि पूरा इलाका मे दहशत फैला देलक। ग्रामीण भयभीत भए अपन-अपन घर मे सिमटि गेलाह। अपराधी सभ गृहस्वामी रामाशंकर गुप्ताक सिर पर भारी लोहेक हथियार सं हमला कए गंभीर रूप सं घायल कए देलक। करीब 15 मिनट धरि चलल लूटपाट मे बदमाश सभ 6–7 भरि सोना, लगभग 50 भरि चांदीक गहना आ 60–70 हजार रुपैया नगद लूटि लेलक।

बताओल जा रहल अछि जे लूटपाट कए बाद अपराधी सभ प्राथमिक विद्यालय भांडसर होइत नदीक रास्ता सं नेपाल दिस भागि गेल। पीड़ितक घर कन्हौली थाना आ एसएसबी कैंप सं एक किलोमीटर सं कम दूरी पर अछि, जाहि सं सुरक्षा व्यवस्था पर प्रश्न उठि रहल अछि। ग्रामीण सभक अनुसार वर्ष 2017 मे सेहो एहि परिवारक घर डकैती भेल छल। क्षेत्र मे आब धरि छह बेर डकैतीक घटना भए चुकल अछि, जाहि सं व्यवसायी वर्ग मे भारी भय व्याप्त अछि।

घटना सूचना पर एसपी अमित रंजन आ एडिशनल एसपी आशीष आनंद घटनास्थल पर पहुँचि जाँच शुरू कएलनि। पुलिस सीसीटीवी फुटेज खंगालि रहल अछि। जिला परिषद प्रतिनिधि सूर्यकांत प्रसाद आ ग्रामीण सभ प्रशासन पर निष्क्रियताक आरोप लगबैत सीमावर्ती क्षेत्र मे अतिरिक्त पुलिस गश्ती आ स्थायी चौकीक मांग कएलनि। वाइब्रेंट विलेज रूप मे विकसित होइत कन्हौली क्षेत्र मे लगातार आपराधिक घटना योजना क सुरक्षा व्यवस्था पर गंभीर सवाल खड़ा कए रहल अछि। फिलहाल इलाका मे तनावपूर्ण शांति अछि आ ग्रामीण सभ मे दहशत व्याप्त अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here