पटना, समदिया
यूजीसी नेटक तर्ज पर बिहारक विश्वविद्यालय मे सहायक प्रोफेसरक नियुक्ति लेल राज्य स्तरक पात्रता परीक्षाक आयोजन कैल जाएत। एकरा बिहार एलिजिबिलिटी टेस्ट यानी बीईटी नाम देल गेल अछि। राज्यक शिक्षा मंत्री सुनील कुमार बृहस्पतिदिन उच्च स्तरीय शिक्षा परिषद कार्यालय मे बैसार केलनि। एहि मे ओ उच्च शिक्षा निदेशक कें बीईटी परीक्षा लेल सिलेबस तैयार करबाक निर्देश देलनि। बता दी जे पिछला साल बिहार सरकार नेटक लाइन पर बीईटी परीक्षा देबाक फैसला केने छल। एहि परीक्षाक माध्यम सं राज्यक विश्वविद्यालय मे असिस्टेंट प्रोफेसरक नियुक्ति होएत। एकर अलावा प्री-पीएचडी कोर्स मे सेहो एडमिशन एहि माध्यम सं होएत।
शिक्षा मंत्रीक निर्देशक पालन करैत आब विभाग बीईटी केर सिलेबस तैयार करबा मे व्यस्त अछि। कहल जा रहल अछि जे एकर सिलेबस यूजीसी नेट परीक्षा जकां होयत। ओना बिहार सं जुड़ल विषय सेहो एहि मे शामिल कैल जाएत। ओना परीक्षा पैटर्न सिलेबस तैयार भेलाक बादे तय होएत। एकरा लेल शिक्षा विभाग विशेषज्ञक मदति लेत।
पिछला सप्ताह शिक्षा मंत्री सुनील कुमार विधानसभा मे घोषणा केने छलाह जे सरकार राज्य भरिक स्कूल मे 1.60 लाख शिक्षकक नियुक्ति करत। आगामी दिन मे पैघ स्तर पर भर्ती होमय वाला अछि। एकर संगहि ओ सब विधायक सं अपन इलाकाक 10-10टा स्कूलक सूची सेहो मंगलनि, जकर नवीकरण सरकार करत।



