6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

बीमा भारतीक पति अवधेश मंडल कोर्ट मे कयलनि सरेंडर, बेटाक खोज मे छापामारी कए रहल अछि पुलिस

पूर्णियां, समदिया

पूर्णियांक चर्चित व्यापारी गोपाल यादुकाक हत्याक मामला मे पूर्व विधायक बीमा भारतीक पति अवधेश मंडल आत्मसमर्पण कए देलनि अछि। सोमदिन पूर्णियां सिविल कोर्ट स्थित मुख्य न्यायिक मजिस्ट्रेट (सीजेएम) कोर्ट मे आत्मसमर्पण केलनि। कोर्ट अवधेश मंडल कें 14 दिनक लेल न्यायिक हिरासत मे पठा देलक अछि। एहि मामला मे आरोपी बेटा राजा एखनो फरार अछि।

एहि मामला मे अवधेश मंडलक अधिवक्ता जय हिंद कुमार कहलनि जे गोपाल यादुका हत्याकांड मे अवधेश मंडल कें प्राथमिक आरोपी बनाओल गेल अछि। अवधेश मंडल एहि मामलाक संबंध मे कोर्ट मे आत्मसमर्पण कए जमानत याचिका दायर केलनि। सीजीएम कोर्ट हुनकर जमानत याचिका खारिज कए देलक अछि। आब ओ सत्र अदालत मे अपील करताह। ओ कहलनि जे हुनका राजनीति सं फंसाओल गेल अछि। अवधेश मंडलक भाइ संजय कुमार मंडल कहलनि जे गोपाल यादुकाक परिवारक सदस्य एहि मामला मे डीआईजी, एसपी आ मुख्यमंत्री कें पत्र लिखने छथि। एहि मे ओ कहने छथि जे एहि मामला मे आरोपी अवधेश मंडल आ हुनकर बेटा राजा नहि, बल्कि कियो आन छथि। मुदा दुनू कें राजनीतिक तहत फंसाओल गेल अछि।

पूर्णियां पुलिस पूर्व विधायक बीमा भारतीक पति अवधेश मंडल आ बेटा राजा कें गोपाल यादुकाक हत्याक षड्यंत्रकारी बना देलक अछि। हत्याक बाद दुनू गोटे फरार छल। एहि सं पहिने दुनू आरोपीक गिरफ्तारी लेल पुलिस रूपौली विधानसभाक पूर्व विधायक बीमा भारतीक घर पर कुर्की-जब्तीक पोस्टर सटने छल।  एकर बाद अवधेश मंडल आत्मसमर्पण कए देलनि। जनतब दी जे किछु दिन पहिने अवधेश मंडल आ राजाक खोज मे पुलिस कतेको जगह पर छापा मारने छल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here