11.7 C
London
Sunday, March 1, 2026

बीपीएससी कैलेंडर सं TRE-4 गायब, छात्र सड़क पर उतरला

16 फरवरी सं पटनाक सड़क पर महाआंदोलन शुरू करबाक एलान

पटना, समदिया

बीपीएससीक वार्षिक कैलेंडर सं TRE-4 के गायब होय पर परीक्षार्थी सभ सड़क पर उतरि आयल छथि। छात्र नेता दिलीप कुमार 16 फरवरी सं पटनाक सड़क पर महाआंदोलन शुरू करबाक एलान केने छथि। दिलीप कुमार कहलनि जे मुख्यमंत्री सोशल मीडिया पर जानकारी देने छलाह जे TRE-4क आयोजन कएल जायत। शिक्षा मंत्री 20 जनवरी धरि परीक्षाक विज्ञापन जारी करबाक बात कहलनि छल, मुदा एखन धरि विज्ञापन जारी नहि भेल अछि। एहि बात कें लेल छात्र सभ मे भारी रोष अछि।

छात्र नेता दिलीप कुमार मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं TRE-4क विज्ञापन शीघ्र जारी करबाक अनुरोध केने छथि। संगहि शिक्षा मंत्री सं सेहो आग्रह कएलनि अछि जे बिना ठोस जानकारी मीडिया मे बयान नहि दिअ। हुनकर कहल अछि जे एखन परीक्षा चलि रहल अछि, एहिलेल आंदोलन 16 फरवरी सं शुरू कएल जेतै। आंदोलनक शुरुआत पटना कॉलेज सं कएल जायत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here