मुजफ्फरपुर, समदिया
रमज़ान आ होली पर्व कें लए प्रशासन पूर्ण रूप सं सतर्क अछि। मुजफ्फरपुर पश्चिमीक डीएसपी सुचित्रा कुमारी क्षेत्र मे शांति, सद्भाव आ कानून-व्यवस्था बनौने राखय लेल विशेष निगरानी आ सुरक्षा व्यवस्था क निर्देश देलनि। डीएसपी सुचित्रा कुमारी बतौलनि जे दूनू पर्व शांतिपूर्ण आ सौहार्दपूर्ण वातावरण मे संपन्न हो, एहि लेल संवेदनशील स्थान सभ पर अतिरिक्त पुलिस बल तैनात कएल जा रहल अछि। नियमित गश्ती, फ्लैग मार्च आ वाहन जांच अभियान सेहो चलाओल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे अफवाह फैलाबय वाला आ सोशल मीडिया पर भ्रामक पोस्ट करय वाला तत्व सभ पर विशेष नजर राखल जा रहल अछि। एहन तत्व विरुद्ध सख्त कानूनी कार्रवाई कएल जाएत। पर्व कें ध्यान मे रखैत थाना स्तर पर शांति समिति बैठक आयोजित कएल जा रहल अछि। डीएसपी कहलनि जे रमज़ान इबादत आ संयमक महीना अछि, जखनकि होली आपसी भाईचारा आ प्रेमक प्रतीक अछि। दूनू पर्व सामाजिक समरसताक संदेश दैत अछि। ओ स्पष्ट कएलनि जे डीजे, जुलूस, हुड़दंग या जबरन रंग लगाबय जेकाँ घटना पर कड़ाई सं कार्रवाई कएल जाएत। अभिभावक सभ सं अपील कएलनि जे अपन बच्चा सभ कें संयमित आचरण लेल प्रेरित करथि। आम जनता सं सेहो आग्रह कएलनि जे कोनो प्रकारक अफवाह या संदिग्ध गतिविधिक सूचना तुरंत स्थानीय पुलिस कें देथि। प्रशासन पूर्ण रूप सं मुस्तैद अछि, मुदा शांति व्यवस्था बनौने राखय लेल आम जनता क सहयोग अत्यंत आवश्यक अछि।



