रांची, समदिया
झारखंडक मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन बृहस्पतिक दिन पौने दू लाख सं बेसी किसान कें एक पैघ उपहार देलनि अछि। हुनका द्वारा 400 करोड़ सं बेसीक कृषि लोन माफ कएल गेल अछि। राजधानी रांचीक प्रभात तारा मैदान मे आयोजित कार्यक्रम मे ओ डीबीटी केर माध्यम सं राशि हस्तांतरण कएलनि।
मुख्यमंत्री कार्यक्रमक दौरान बीजेपी आ केंद्रक नरेंद्र मोदी सरकार पर जमि कए हमला कयलनि। ओ कहलनि कि काला कानून सभ द्वारा केंद्र सरकार किसान सभक हक मारबाक प्रयास मे छल मुदा किसान सभ आंदोलनक माध्यम सं एकजुटता देखा कए सरकार कें झुकबा पर मजबूर कएलक। राज्य सरकार सदैव किसान सभक संग अछि। हुनकर आर्थिक मजबूती राज्य सरकारक लक्ष्य अछि आ एहि दिशा मे ई डेग उठाओल गेल अछि। एहि अवसर पर मंत्री डॉ. रामेश्वर उरांव, कृषि मंत्री दीपिका पांडेय सिंह, पूर्व प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष राजेश ठाकुर समेत अन्य व्यक्ति उपस्थित रहथि।
एहि अवसर पर मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन कहलनि जे रांची मे आइ ऋण माफीक जुटान नहि अछि, बल्कि ई किसानक सम्मानक महाजुटान अछि। आइ हम सब किसान सभ कें ऋण माफी लेल एकत्रित भेल छी। हमर राज्य मे 80 प्रतिशत लोग गाम-देहात मे निवास करैत छथि, जे खेती-बाड़ी सं जुड़ल छथि। एहि पर हुनकर जीवन-यापन होइत अछि।
किसान सभ लग बोरा भरि कए पैसा नहि अछि। हुनकर बैंक बैलेंस नहि अछि। कियो एटीएम कार्ड सेहो नहि रखैत अछि। बहुत कठिनाइ सं बैंक खाता खुलैत अछि, तखन ओहि खाता मे पैसा मेहनत-मजदूरी कए जमा करबाक प्रयास किसान सभक रहैत अछि। हमर किसान सभक बैंक खेत होइत अछि आ हुनकर एटीएम हुनकर खरिहान होइत अछि।



