6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

बाजपट्टी मे कांग्रेस कार्यकर्ता सभक बैठक, संगठन मजबूती पर जोर

सीतामढ़ी, समदिया

बाजपट्टी विधानसभा स्तरक कांग्रेस कार्यकर्ता सभक महत्वपूर्ण बैठक बाजपट्टी स्थित खादी भंडार प्रांगण मे आयोजित कएल गेल। बैठकक अध्यक्षता वरिष्ठ कांग्रेस नेता ताराकांत झा कएलनि।

कार्यक्रम मे केंद्रीय पर्यवेक्षक संजय छोकर, प्रदेश पर्यवेक्षक डॉ. गौरव वर्मा आ पवन यादव संबोधित करैत कहलनि जे संगठन सृजन अभियान अंतर्गत पार्टी कें जमीनी स्तर पर आरो धारदार आ सक्रिय बनाओल जाए। ओ सभ बूथ स्तर धरि कार्यकर्ता सभकें संगठित कय आगामी चुनौती लेल तैयार रहबाक आह्वान कएलनि।

एहि बैठक मे मुख्य प्रवक्ता प्रमोद नील, बोखड़ा प्रखंड अध्यक्ष देवेंद्र झा, राजू कुंवर, रामू मिश्रा, मोहम्मद सरफुल हसन, आफताब बिहारी, जैनेंद्र राम, अमजद खान आ सुमन शर्मा सहित अनेको नेता अपन विचार व्यक्त कएलनि। वक्ता सभ संगठनक एकजुटता आ सक्रियता पर विशेष बल देलनि। कार्यकर्ता सभ राहुल गांधीक संघर्षशील नेतृत्व मे संगठन कें मजबूत करबाक संकल्प लेलनि। ओ सभ कहलनि जे पार्टी कार्यकर्ता जनसरोकारक मुद्दा सभकें लय जनता बीच सक्रिय भूमिका निभाएत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here