11.7 C
London
Sunday, March 1, 2026

उपमुख्यमंत्रीक घोषणा – दू बरख मे हर हाल मे पूरा हेतै विशेष भूमि सर्वेक्षण

हर काज समय-सीमा मे निपटाबय लेल जिला सभ सं विस्तृत रिपोर्ट मंगाओल गेल अछि

विभाग मे लिखित शिकायत दर्ज करथि आम लोक, तत्काल सुनवाई हेतै

पटना, समदिया

उपमुख्यमंत्री सह राजस्व आ भूमि सुधार मंत्री विजय कुमार सिन्हा विभागीय कार्यालय कक्ष मे राज्य मे चलि रहल विशेष भूमि सर्वेक्षण काज सभक विस्तृत समीक्षा कएलनि। एहि दौरान ओ कहलनि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार वर्ष 2011 मे घोषित बिहार विशेष भूमि सर्वेक्षण कें आगामी दू वर्ष मे हर हाल मे पूरा करबाक लक्ष्य निर्धारित केने छथि। एहि लक्ष्यक प्राप्ति लेल संबंधित अधिकारी सभ कें प्रत्येक जिला मे निर्धारित समय-सीमा अनुसार काजक विस्तृत रिपोर्ट शीघ्र प्रस्तुत करबाक निर्देश देल गेल अछि।

उपमुख्यमंत्री स्पष्ट निर्देश देलनि जे सर्वे काज पूर्ण पारदर्शिता आ समयबद्धता संग पूरा हो, जाहि सं आम जनता के एकर वास्तविक लाभ शीघ्र भेट सकय। कोनो स्तर पर लापरवाही बर्दाश्त नहि कएल जायत। सर्वेक उद्देश्य मात्र एकरा पूरा करब नहि अछि, बल्कि आम लोकक वास्तविक समस्याक पहचान कए ओकर समाधान सुनिश्चित करब अछि।

कहलनि जे कोनो तरहक गलतीक शिकायत पर तत्काल आवश्यक कार्रवाई कएल जायत। जतए सेहो त्रुटि अथवा अनावश्यक विलंब भेटत, ओतए संबंधित अधिकारी सभ कें जवाबदेही तय कएल जेतै। मंत्री दो-टूक शब्द मे कहलनि जे सर्वे औपचारिक नहि, बल्कि सुधारक आधार बनय। ओ आम नागरिक सभ सं अपील कएलनि जे कोनो तरहक गड़बड़ीक जानकारी लिखित रूप मे विभाग के दिअ। एहि पर तत्काल कार्रवाई सुनिश्चित कएल जायत।

समीक्षा बैठक मे प्रधान सचिव सीके अनिल आ सचिव जय सिंह वर्षो पहिने भेल कैडेस्ट्रल आ रिवीजनल सर्वेक जानकारी देत नवा सर्वे सं होमय बला लाभ सभ पर प्रकाश देलनि। भू-अभिलेख आ परिमाप निदेशक सुहर्ष भगत सर्वेक वर्तमान स्थिति आ विलंबक कारण सभक जानकारी देलनि। ओ बतौलनि जे तकनीकी मार्गदर्शिका समय पर तैयार नहि भए सकला सं प्रारंभिक चरण मे काज प्रभावित भेल। ई मार्गदर्शिका मार्च 2019 मे अधिसूचित भेल।

प्रथम चरणक 20 जिलाक 89 अंचल मे विशेष सर्वेक्षण कर्मी सभ कें समय पर नियुक्ति नहि भेलाक कारण दिसम्बर 2021 मे शुरू भेल काज अपेक्षित गति सं नहि चलि सकल। बाद मे शेष अंचल सभ आ 18 जिलाक सभ अंचल मे सर्वे काज सितम्बर 2024 सं शुरू कएल गेल। फील्ड मे राजस्व संबंधी जटिलताक समाधान लेल दिसम्बर 2024 मे 16 बिंदु पर विभागीय मार्गदर्शन सेहो अधिसूचित कएल गेल।

जानकारी देलनि जे प्रथम चरण मे 20 जिला केर 89 अंचल केर 5657 राजस्व ग्राम मे ऑथोफोटोग्राफ, ग्राम-स्तरीय उद्घोषणा आ ग्राम सभाक काज शत-प्रतिशत पूरा भए चुकल अछि। किस्तवार काज 99.92 प्रतिशत, खानापुरी 94.4 प्रतिशत आ प्रपत्र-6क काज लगभग 79 प्रतिशत ग्राम मे पूरा भेल अछि। 67 प्रतिशत ग्राम मे प्रारूप अधिकार अभिलेख प्रकाशित भऽ चुकल अछि, जबकि 31 प्रतिशत ग्राम मे अंतिम अधिकार अभिलेख प्रकाशित भेल अछि। एहिमे सं 912 ग्रामक अभिलेख अधिसूचित सेहो कएल जा चुकल अछि।

द्वितीय चरण मे 36 जिला केर 444 अंचल केर 37,419 राजस्व ग्राम मे हवाई सर्वेक्षण, ऑथोफोटोग्राफ, ग्राम-स्तरीय उद्घोषणा आ ग्राम सभा केर काज पूरा कएल जा चुकल अछि। रैयत सभ सं 2.70 करोड़ सं अधिक स्व-घोषणा प्राप्त भेल अछि। लगभग 98.81 प्रतिशत ग्राम मे प्रपत्र-5 केर काज पूरा भेल अछि। संगहि त्रि-सीमाना निर्धारण आ ग्राम सीमा सत्यापन केर काज सेहो प्रगति पर अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here