पटना। पदार्पण मैच मे दोहरा शतक जड़निहार नमन गौरवक शानदार पारीक बदौलत बिहार एतवार के कर्नल सीके नायडू क्रिकेट प्रतियोगिताक खिताब जीत लेलक। मोइनुल हक स्टेडियम मे खेलायल प्लेट वर्गक चारि दिवसीय अंडर-23 खिताबी मुकाबला मे तेसर दिन बिहार नागालैंड केँ एक पारी आ 164 रन सं पराजित कएलक।
एक पारी आ 164 रन सं नगालैंड केँ पराजित कए बिहार खिताब जीतलक। विजय हजारे आ रणजी ट्रॉफीक बाद कर्नल सीके नायडू मे सेहो प्रदेशक टीम आगू आबि रहल सत्र मे एलीट वर्ग मे स्थान बनौलक। नमन गौरव प्लेयर ऑफ द मैच घोषित भेलाह, जखनकि बिहारक कप्तान सूरज कश्यप प्लेयर ऑफ द सीरीज रहलाह।
मेहमान टीम नगालैंडक पहिल पारी 44.4 ओवर मे 155 रन पर सिमटि गेल। जवाब मे बिहार 112 ओवर मे 482 रन बना कए पारी घोषित कएलक। फॉलोआन खेले लेल मजबूर नगालैंड 37 ओवर मे 163 रन पर सभ विकेट गंवा कए पैघ शिकस्त झेललक।
टॉस जीत कए पहिने बल्लेबाजी करैत नगालैंड टीम बिहारक वासुदेव प्रसाद सिंहक पांच विकेटक आगे 44.4 ओवर मे 155 रन पर सिमटि गेल। नगालैंड दिस सं समीर अली सर्वाधिक 75 रन बनौलनि। बिहार दिस सं वासुदेव प्रसाद सिंह अलावा आकाश राज आ आदित्य राज दू-दू विकेट लेलनि, जखनकि सूरज कश्यप केँ एक विकेट भेटल।
जवाब मे अपन पहिल मुकाबला खेलैत सलामी बल्लेबाज नमन गौरव दोहरा शतक जड़ि कए सभ केँ प्रभावित कएलनि। ओ 355 गेंद मे 23 चौका आ चारि छक्का लगबैत नाबाद 200 रन बनौलनि। एकर अतिरिक्त आकाश राज 73 रन, पृथ्वी राज आ आदित्य राज 61-61 रनक योगदान देलनि। एहि बदौलत बिहार 112 ओवर मे नौ विकेटक नुकसान पर 482 रन बना कए पारी घोषित कएलक। नगालैंड दिस सं अनिल गुप्ता सर्वाधिक पांच विकेट लेलनि।
फॉलोआन खेलैत नगालैंडक बल्लेबाजी बिहारक वासुदेव प्रसाद सिंह आ कप्तान सूरज कश्यपक तीन-तीन विकेटक आगे कमजोर रहल। सात बल्लेबाज दहाई अंक धरि नहि पहुंच सकलाह। नेइजेखो सर्वाधिक 84 रन बनौलनि। मैचक दुनू पारी मे बिहारक वासुदेव प्रसाद सिंह कुल आठ विकेट लेलनि।
अंडर-23 टीमक जीत पर बिहार क्रिकेट एसोसिएशनक अध्यक्ष हर्षवर्धन कहलनि जे ई सफलता पूरा सत्र मे खिलाड़ी सभक निरंतर आ अनुशासित प्रदर्शनक परिणाम अछि। खिलाड़ी सभ धैर्य, संतुलन आ दबाव मे बेहतर खेलक परिचय देलनि, जे एहि स्तरक प्रतियोगिता मे अत्यंत महत्वपूर्ण होइत अछि। ओ टीम प्रबंधन आ सहयोगी स्टाफक प्रयासक सेहो सराहना कएलनि।
बीसीए सचिव जिआउल अरफीन सेहो टीम केँ बधाई दैत कहलनि जे बिहार टीमक प्रदर्शन राज्य क्रिकेटक मजबूती केँ दर्शबैत अछि। युवा खिलाड़ी सभ एहि टूर्नामेंट मे जिम्मेदारी सं खेलैत अपन क्षमता साबित कएलनि अछि आ ई जीत भविष्य लेल सकारात्मक संकेत अछि।



