6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

बेनीपुर प्रखंड मुख्यालय मे रोजगार सह मार्गदर्शन मेला, युवासभ मे उत्साह

– जे सरकार कें सभ सं बेसी भरोसा जीविका दीदी सभ पर अछि : विधायक विनय चौधरी

बेनीपुर, समदिया

प्रखंड मुख्यालय मे आयोजित रोजगार सह मार्गदर्शन मेला मे क्षेत्रक शिक्षित युवा सभमे जबरदस्त उत्साह देखबा मे आयल। भोरहि सं मेला परिसर मे युवा सभक भारी भीड़ उमड़य लागल। रोजगार आ कौशल प्रशिक्षणक अवसर कें लय कय युवासभ मे विशेष उत्साह देखल गेल। युवक सभक संग युवती सभ सेहो बढ़-चढ़ि कय अपन सहभागिता दर्ज करेलनि।

कार्यक्रमक शुभारंभ विजय लक्ष्मी दीदीक स्वागत-गान सं भेल। उद्घाटन मुख्य अतिथि विनय कुमार चौधरी, प्रखंड प्रमुख मुकुन्द चौधरी, नगर परिषद अध्यक्ष मो. इकबाल, उप प्रमुख नुनु महतो, बीस सूत्री उपाध्यक्ष रजनीश सुंदरम, जिला परियोजना प्रबंधक डॉ. ऋचा गार्गी, प्रखंड विकास पदाधिकारी प्रवीण कुमार, डिप्टी चेयरमैन राजीव ठाकुर, बीपीएम राजन कुमार, रोजगार प्रबंधक राहुल कुमार उर्फ बिल्टू, सामाजिक कार्यकर्ता ऋषभ कुमार आ हंसिका कश्यप सहित अनेको जनप्रतिनिधि आ पदाधिकारी सभ संयुक्त रूप सं दीप प्रज्ज्वलित कय कय कयलन्हि।

एहि अवसर पर स्थानीय विधायक प्रो. डॉ. विनय कुमार चौधरी कहलनि जे सरकार कें सभ सं बेसी भरोसा जीविका दीदी सभ पर अछि। ओ कहलनि जे कोनो महत्वपूर्ण काज हिनका सभक भागीदारी बिना पूरा नहि मानल जाइत। जीविका दीदी सभ अपन मेहनत, समर्पण आ ईमानदारी सं आइ भरोसाक प्रतीक बनि चुकल छथि।

प्रो. चौधरी मुख्यमंत्री महिला रोजगार योजनाक विस्तार सं जानकारी दैत कहलनि जे ई योजना महिला सभ कें आत्मनिर्भर बनेबाक दिशामे एक सशक्त पहल अछि। ओ जीविका दीदी सभ सं आह्वान कयलनि जे ओ रोजगार सं जुड़ि अपन परिवार आ समाजक विकास मे सक्रिय भूमिका निभाउ आ आर्थिक रूप सं मजबूत बनि नव मिसाल कायम करी।

जिला परियोजना प्रबंधक डॉ. ऋचा गार्गी कहलनि जे रोजगार सह मार्गदर्शन मेला युवा आ जीविका दीदी सभ लेल संभावना केर महत्वपूर्ण मंच अछि। एहि कार्यक्रम मे प्रखंड आ अंचल कार्यालयक अधिकांश कर्मचारी सभक संग-संग सैकड़ो जीविका दीदी सभ उपस्थित छलीह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here