11.7 C
London
Sunday, March 1, 2026

वित्त मंत्री राधाकृष्ण किशोर पलामू मे कएलनि ध्वजारोहण

 कहलनि– झारखंडक महिला सभ कें सेहो भेटो 10 हजार रुपया

 केंद्रीय वित्त मंत्री केँ देल गेल प्रस्ताव

पलामू। वित्त मंत्री राधाकृष्ण किशोर पलामू स्थित पुलिस स्टेडियम मे ध्वजारोहण कएलनि। एहि अवसर पर हुनका कहलनि जे झारखंडक महिला सभ केँ आर्थिक रूप सं आदिस सशक्त बनाबय दिशा मे राज्य सरकार पैघ कदम उठौने अछि।

हुनका बतौलनि जे हालहि मे केंद्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण सं भेल बजट-पूर्व संगोष्ठी मे झारखंडक तरफ सं महिला सभ केँ बिहारक तर्ज पर वार्षिक 10 हजार रुपया सहायता देबाक प्रस्ताव राखल गेल अछि।

वित्त मंत्री कहलनि जे प्रस्ताव रखैत ई बात कहल गेल अछि जे बेटी बचाओ–बेटी पढ़ाओक सोच रखय वाली केंद्र सरकार झारखंडक बेटी सभ सं सेहो न्याय करत। एहि योजना सं महिला सभक स्वास्थ्य, पोषण, शिक्षा आ आत्मनिर्भरता केँ मजबूती भेटत।

ग्रामीण अर्थव्यवस्था सशक्त करबा जरूरी

वित्त मंत्री कहलनि जे यदि 10 हजार रुपया सहायता राशि देल जाय, त एकर सीधा असर ग्रामीण अर्थव्यवस्था आ महिला सभक आर्थिक शक्ति पर पड़त। हुनका कहलनि जे आजादीक 25 वर्ष बादो झारखंडक प्रतिव्यक्ति वार्षिक आय मात्र 1 लाख 16 हजार रुपया अछि, जाहि केँ बढ़ाबय लेल ग्रामीण अर्थव्यवस्था केँ सशक्त करबा अनिवार्य अछि। एहि उद्देश्य सं मुख्यमंत्री हेमंत सोरेनक नेतृत्व मे झारखंड मुक्ति मोर्चा, कांग्रेस आ राजदक सरकार आय-वृद्धि आधारित योजना सभ पर फोकस कए रहल अछि।

शिबू सोरेन कें भारत रत्न देबाक मांग दोहराओल गेल

एहि अवसर पर दिशोम गुरु स्वर्गीय शिबू सोरेन केँ भारत रत्न देबाक मांग सेहो दोहराओल गेल। वित्त मंत्री कहलनि जे शिबू सोरेन झारखंडक माटीक लाल छलाह आ सामाजिक-आर्थिक समानता स्थापित करबा मे हुनकर भूमिका ऐतिहासिक रहल अछि। झारखंड विधानसभा सं पारित प्रस्ताव केंद्र सरकार केँ पठाओल जा चुकल अछि आ राज्य सरकार केँ उम्मीद अछि जे भारत सरकार एखन धरि एहि पर सकारात्मक निर्णय लेत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here