6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

चारि दिन धरि डेरा जमा कए घुसपैठक समाधान तकताह गृहमंत्री अमित शाह

– आइ पूर्णिया पहुंचता गृहमंत्री अमित शाह

किशनगंज, समदिया

केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह आइ बिहार यात्रापर आबि रहल छथि। पूर्वी मिथिला क्षेत्र मे हुनकर तीन दिनक प्रवास निर्धारित अछि। एहि दौरान ओ सीमावर्ती जिला मे घुसपैठ सहित अन्य महत्वपूर्ण विषयपर प्रशासनिक अधिकारी सभ संग विस्तृत समीक्षा बैसार करता। कार्यक्रम अनुसार ओ बुध, 25 फरवरी कें पूर्णिया पहुंचताह। एकर बाद 27 फरवरी धरि किशनगंज, अररिया आ पूर्णिया मे पृथक-पृथक बैसार आयोजित कएल जाएत। प्रवासक समस्त अवधि मे हुनकर रात्रि विश्राम सेहो पूर्वी मिथिला क्षेत्र मे रहत।

आधिकारिक सूत्र अनुसार गृहमंत्रीक पूर्णिया पहुंचबाक समय सांझ 4 बजे निर्धारित अछि। पूर्णिया सं हेलिकॉप्टर द्वारा ओ किशनगंज जेता। किशनगंज समाहरणालय मे सांझ करीब दू घंटाक उच्चस्तरीय समीक्षा बैसार होयत, जाहि मे सीमा सुरक्षा आ घुसपैठ संबंधी विषय पर विस्तार सं विमर्श कएल जाएत। एकर बाद किशनगंज मे हुनकर रात्रि विश्राम रहत।

बृहस्पति, 26 फरवरी कें ओ अररिया पहुंचताह। प्रातः 11 बजे अररिया जिलाक सीमा चौकी लेटीक उद्घाटन समारोह मे सहभागिता करताह। एकर बाद अररिया समाहरणालय मे भारत-नेपाल सीमा संबंधी विषयपर सीमावर्ती जिलाक पुलिस अधीक्षक (एसपी) आ जिला पदाधिकारी (डीएम) सभ संग संयुक्त समीक्षा बैसार होयत। एहि बैसार मे सीमा प्रबंधन, अवैध आवागमन रोकथाम आ सुरक्षा सुदृढ़ीकरणपर विशेष विचार-विमर्श कएल जाएत।

एहि क्रम मे ओ अररिया मे वाइब्रेंट विलेज कार्यक्रमक समीक्षा कार्यक्रम मे सेहो सम्मिलित हेताह। सांझ मे पुनः पूर्णिया लौटि ओतय रात्रि विश्राम करताह। शुक्र, 27 फरवरी कें पूर्णिया मे भारत-नेपाल सीमा सं संबंधित विविध मुद्दापर अधिकारीसभ संग अंतिम बैसार आयोजित कएल जाएत, एकर बाद ओ दिल्ली लेल प्रस्थान करताह।

एह पहिल अवसर मानल जा रहल अछि जखन केंद्रीय गृहमंत्री तीन दिन धरि पूर्वी मिथिला क्षेत्र मे प्रवास करताह। ई राज्यक अति संवेदनशील सीमाई क्षेत्र अछि, जे बांग्लादेश आ नेपाल सीमा सं सटल अछि। एकर निकट तथाकथित चिकन नेक क्षेत्र सेहो अवस्थित अछि, जे सामरिक दृष्टि सं अत्यंत महत्वपूर्ण मानल जाइत अछि। एहि कारणें हुनकर ई दौरा राष्ट्रीय सुरक्षा दृष्टिकोण सं विशेष महत्व रखैत अछि।

किशनगंज जिला मे हुनकर आगमनक तैयारी पुलिस आ प्रशासन द्वारा अंतिम चरण मे अछि। कार्यक्रम स्थल, पहुंच मार्ग, सुरक्षा व्यवस्था, पार्किंग आ भीड़ प्रबंधनक समुचित परीक्षण कएल जा रहल अछि। हवाई अड्डा सं कार्यक्रम स्थल धरि प्रत्येक 100 मीटर दूरीपर पुलिस बलक प्रतिनियुक्ति प्रस्तावित अछि। सीमांचल क्षेत्र मे बदलैत जनसांख्यिकीय परिदृश्य आ घुसपैठक प्रश्न वर्तमान मे प्रमुख विषय बनल अछि। एहि संदर्भ मे गृहमंत्री सीमावर्ती सात जिलाक डीएम आ एसपी सभ संग स्थिति समीक्षा कए भविष्यक रणनीति निर्धारित करताह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here