अलीनगर, समदिया
अलीनगर हाट मैदान मे वर्ष 2026 केर प्रशासन एकादश आ प्रतिनिधि एकादशक बीच मैत्री क्रिकेट मैच प्रखंड प्रमुख सबिता कुमारीक सौजन्य सं उत्साहक संग आयोजित कएल गेल। मैच देखए लेल क्षेत्र क खेलप्रेमी सभक भीड़ जुटल छल।
टॉस जीतक प्रतिनिधि टीम प्रशासन टीम केँ पहिने बल्लेबाजी करए लेल आमंत्रित केलक। प्रशासन एकादश निर्धारित 12 ओवर मे 4 विकेट गँवाक 98 रन बनौलक। प्रशासन टीमक ओर सं विकास मंडल 28 रन क शानदार पारी खेललाह। प्रतिनिधि टीमक ओर सं आसिफ आदिल 2 विकेट आ हरिमोहन चौधरी 1 विकेट ल उत्कृष्ट गेंदबाजी केलनि। 99 रनक लक्ष्यक पीछा करए उतरल प्रतिनिधि एकादश 10.4 ओवरमे 6 विकेट गँवा क मैच जीत लेलक। प्रतिनिधि टीमक ओर सं आसिफ आदिल 29 रन आ हरिमोहन चौधरी नाबाद 32 रनक बेहतरीन पारी खेललनि। प्रशासन टीमक ओर सं बीडीओ ललित मिश्रा 3 विकेट ल प्रभावशाली गेंदबाजी केलनि।
प्रशासन टीमक ओर सं विकास मंडल आ प्रतिनिधि टीमक ओर सं हरिमोहन चौधरी केँ मैन ऑफ द मैच घोषित कएल गेल। विजेता टीमक कप्तान राजीव कुमार यादव केँ मुख्य अतिथि प्रखंड प्रमुख सबिता कुमारी कप प्रदान केलनि। उपविजेता टीमक कप्तान सीओ कुमार शिवम केँ उप प्रमुख प्रतिनिधि मो. कमाल, मुखिया मदन झा आ मनेसुर रहमान संयुक्त रूपे कप प्रदान क सम्मानित केलनि। एहि अवसर पर बीईओ मास्लेउद्दिन, एसआई विकास कुमार मंडल, जिला परिषद सदस्य सुनीता यादव, शिक्षक नेता शंभू यादव, प्यारे सर, प्रमोद मुखिया, प्रेम कुमार मुखिया, कल्याण यादव, मो. नेयाज सहित अनेको प्रशासनिक पदाधिकारी, जनप्रतिनिधि आ खेलप्रेमी उपस्थित छलाह।
ई मैत्री मैच प्रशासन आ जनप्रतिनिधि सभ क बीच आपसी समन्वय आ सौहार्दक संदेश देलक।



