अलग-अलग विभागकें भेजल गेल रिक्वायरमेंट सूची
पटना, समदिया
बिहारमे साल 2026 मे 1.50 लाख सं बेसी सरकारी नौकरी आ रोजगार देल जएत। एहिके लेल अलग-अलग विभागकें रिक्वायरमेंट भेज देल गेल अछि। बहाली संबंधी जानकारी सामान्य प्रशासन विभागक एसीएस बी. राजेंद्र देलनि। एसीएस बी. राजेंद्र सोमदिन एक प्रेस कॉन्फ्रेंसमे कहलनि जे बिहारमे 1 अप्रैल 2020 सं 6 फरवरी 2026 धरि कुल 9 लाख 84 हजार 141 लोकके रोजगार देल जा चुकल अछि। एहि मे 7 लाख 95 हजार 832 नियमित नियुक्त कर्मी, 1 लाख 17 हजार 784 संविदा कर्मी आ 70 हजार 525 बाहरी स्रोत सं नियोजित कर्मी शामिल छथि। ओ बतौलनि जे साल 2025–26 मे नौकरी आ रोजगार लेल कुल 1 लाख 50 हजार 561 पदक रिक्वायरमेंट अलग-अलग आयोग आ परिषद सभके भेजल गेल अछि, जाहिपर नियुक्तिक प्रक्रिया आगू बढ़ाओल जा रहल अछि। बिहार सरकार पांच सालमे एक करोड़ नौकरी आ रोजगार देबाक लक्ष्य तय कएने अछि। एहिके ध्यानमे राखैत सरकार मास्टर प्लान तैयार कएने अछि। किछु दिन पहिने बिहारमे 44 हजार शिक्षकक बहाली लेल रोस्टर विभागके सौंपल गेल छल। शिक्षक बहालीक जानकारी जदयू केर एक्स (ट्विटर) अकाउंट सं देल गेल छल। ई बहाली बीपीएससी केर माध्यम सं होएत। एसीएस बी. राजेंद्र इहो बतौलनि जे सामान्य प्रशासन विभागके तीन साल लेल इंटरनेशनल स्टैंडर्ड क्वालिटी सर्टिफिकेट भेटल अछि। ई सर्टिफिकेट पाबए वाला बिहार सरकारक ई पहिल विभाग अछि। ई प्रमाण-पत्र विभागक कार्यप्रणाली, सेवा वितरण आ शिकायत निवारण प्रणालीक गुणवत्ता के मान्यता दैत अछि। एसीएस इहो जानकारी देलनि जे मुख्यमंत्री फेलोशिप योजना के स्वीकृति भेटि गेल अछि। एहि योजना अंतर्गत 121 विषय विशेषज्ञक चयन कएल जएत आ हुनका राज्य सरकारक अलग-अलग कार्यालयमे काज करबाक अवसर देल जएत। एहि योजना लेल बिहार प्रशासनिक सुधार मिशन सोसाइटी आ आईआईएम बोधगया बीच एमओयू सेहो हो चुकल अछि।



