– नदियामी अस्पतालक भवन अत्यंत जर्जर अवस्था मे अछि, जे इलाज योग्य किन्नहु नहि अछि, तैयो स्वास्थ्य विभाग एकरा मरम्मत योग्य बता रहल अछि।
– अस्पताल परिसर मे मात्र दू कोठलीक एक मकान एहन अछि जे किछु हद धरि ठीक अवस्था मे अछि, बांकी संपूर्ण भवन धराशायी स्थिति मे अछि।
– अधिकारी लोकनि जानबूझि कए अही दू कोठलीक मकानक फोटो मंत्री महोदय कें देखा कए पूरा अस्पताल भवन कें मरम्मत योग्य साबित करबाक प्रयास कएलनि।
-.जर्जर भवन मे रोगीक इलाज संभव नहि अछि, एहि स्थिति मे अस्पताल संचालन स्वास्थ्य आ जीवन दुनू लेल गंभीर खतरा बनि गेल अछि।
– तारडीह प्रखंड अस्पतालक पीसीएच पदाधिकारी सह चिकित्सा प्रभारी डॉ. सुमंत कुमार सिंह कहलनि, विस मे मुद्दा उठलाक बाद कएल गेल छल निरीक्षण, सीओ सेहो रहथि उपस्थित
दरभंगा, समदिया
मंगल पांडेक स्वास्थ्य विभाग बुझा रहल अछि जे स्वयं अस्वस्थ होय। इएह कारण अछि जे स्वास्थ्य विभागक अधिकारी लोकनि जर्जर अस्पताल भवन कें मरम्मत योग्य बता देल गेल अछि। एहि परिसर मे मात्र दू कोठलीक एक मकान अछि जे ठीक-ठाक अवस्था मे अछि। प्राय: अधिकारी लोकनि अही दू कोठलीक मकानक फोटो कें मंत्री महोदय कें देखा कए ई कहलनि जे भवन मरम्मत योग्य अछि। ऊपर देल गेल तस्वीर सभ मे अपने साफ देखि सकैत छी जे बांकी भवनक की हालति अछि? एहि भवन में कोना ककरो इलाज भए सकैत अछि? एहि सं तं इएह बुझाइत अछि जे स्वास्थ्य विभागक अधिकारी लोकनिक आंखिक संग-संग मानसिक संतुलन सेहो बिगड़ि गेल छनि। जं से नहि बिगड़ल रहितनि तं स्वास्थ्य विभागक अधिकारी लोकनि एहि जर्जर भवन सभ कें मरम्मत योग्य नहि कहितथि।
तारडीह प्रखंड अस्पतालक पीसीएच पदाधिकारी आ चिकित्सा प्रभारी डॉ. सुमंत कुमार सिंह जानकारी देलनि जे ओ बीएनएसआईसीएल दिस सं निरीक्षण लेल पहुंचल प्रतिनिधिक रूप मे उपस्थित छलाह। डॉ. सुमंत सिंह कहलनि जे अलीनगर विधानसभा क्षेत्रक विधायक मैथिली ठाकुर द्वारा सदन मे कुरसो नदियामी अस्पताल सं संबंधित प्रश्न उठाओल गेलाक बाद स्वास्थ्य मंत्री द्वारा हुनका सं विस्तृत प्रतिवेदन मंगाओल गेल छल।

डॉ. सुमंत कुमार सिंहक अनुसार, ओ मंत्रालय कें अस्पतालक जर्जर अवस्था सं अवगत करबैत मरम्मतक आवश्यकता संबंधी प्रतिवेदन समर्पित कएलनि। एहि प्रतिवेदनक उपरांत अस्पताल भवनक मरम्मत कें लए कए विभागीय स्तर पर निरंतर पत्राचार कएल जाइत रहल अछि। एहि पत्राचार मे उजान अस्पताल सं जुड़ल विषय सेहो सम्मिलित रहल अछि। डॉ. सुमंत इहो जानकारी देलनि जे उजान अस्पतालक भवन आ छहरदेवाली स्थिति कें लए कए तारडीह अंचलाधिकारी दिलीप कुमार द्वारा सेहो स्थल निरीक्षण कएल गेल छल, जाहि सं आवश्यक निर्माण आ मरम्मत कार्य प्रारंभ करबाक प्रक्रिया आगू बढ़ाओल जा सकए।



