बजट सत्र मे दरभंगा सदर आ मनीगाछीक स्वास्थ्य केंद्र दुरुस्त करबाक मांग
दरभंगा,समदिया दरभंगा ग्रामीण विधानसभा क्षेत्र मे स्वास्थ्य सेवा दुरुस्त करबाक मुद्दा बजट सत्र दौरान विधायक सह जदयू जिलाध्यक्ष राजेश कुमार उर्फ ईश्वर मंडल सदन मे प्रमुखता सं उठौलनि। ओ सरकार आ आसनक ध्यान एहि दिशा मे आकृष्ट करैत मनीगाछी आ सदर प्रखंडक सभ स्वास्थ्य केंद्र मे रिक्त पद शीघ्र भरबाक अनुरोध कएलनि।सदन मे वक्तव्य दैत विधायक श्री मंडल कहलनि जे मनीगाछी आ सदर प्रखंडक रेफरल अस्पताल, प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र आ उप-स्वास्थ्य केंद्र सभ मे जनरल सर्जन, फिजिशियन, पीडियाट्रिक्स विशेषज्ञ, स्त्री रोग विशेषज्ञ, एनेस्थेटिक, नर्स आ आधुनिक जांच उपकरण सभक शत-प्रतिशत उपलब्धता अत्यंत आवश्यक अछि।ओ कहलनि जे अस्पताल आ स्कूल आमजनक जीवनरेखा होइत अछि। गरीब-गुरबा, नौजवान आ किसान सभ हुनका बुनियादी सुविधा आ अधिकार सुनिश्चित करबाक लेल सदन मे पठौने छथि, तें हुनकर सेवा आ स्वास्थ्य सुरक्षा प्राथमिकता अछि।विधायक श्री मंडल बतौलनि जे दरभंगा ग्रामीण विधानसभा क्षेत्रक एहि समस्या सं अवगत कराबैत सरकार आ आसन सं शीघ्र समाधानक आश्वासन सेहो भेटल अछि।



