6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

कनिञो मोरल छनि ममता कें तं इस्तीफा देथि : जीतन राम मांझी

पटना, समदिया

बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री आ वर्तमान मे केंद्रीय मंत्री जीतन राम मांझी कोलकाता मे महिला डॉक्टर संग भेल दुष्कर्म आ हत्या मामला पर ममता बनर्जी सरकारक कठोर आलोचना कए रहल छथि। मांझी कहलनि जे ई घटना कोनो प्रशासनक लेल अत्यंत लज्जाजनक अछि। विधि व्यवस्था राज्यक मामला होइत अछि, आ पश्चिम बंगाल मे महिला मुख्यमंत्री भेलाक बादो महिला संग एहि प्रकारक घटना घटैत अछि, तं हुनका कड़ा कार्रवाई करक चाही छल, मुदा उल्टा ओ आंदोलनकारीक रूप मे सामने आबि गेलीह।

मांझी ममता सरकारक आलोचना करैत कहलनि जे महिला मुख्यमंत्री होइत सेहो एहन प्रतिक्रिया देलखिन, से गलत छल। जं हुनका मे कनिञो नैतिकता बांचल होयत, तं हुनका इस्तीफा दए देबाक चाही। बंगाल मे एक बहुत जघन्य अपराध भेल अछि आ ओकरा लेल कठोर कार्रवाई करबाक चाही छल। लेकिन ओ विपक्षी नेता जकां इंकलाब जिंदाबाद करय लगलीह।

ओ सुप्रीम कोर्ट कें धन्यवाद देलनि जे स्वतः संज्ञान लए कए एहि मामला पर कार्रवाई शुरू केलक। मांझी कहलनि जे ई केहन व्यवस्था अछि, जाहि मे महिला मुख्यमंत्रीक शासन मे महिलाक सुरक्षा नहि अछि। स्थिति बहुत खराब अछि।

लोकसभा मे विपक्षक नेता राहुल गांधी पर सेहो मांझी कठोर टिप्पणी केलनि। ओ कहलनि जे राहुल गांधी आरक्षण छीनबाक बात कहि रहल छथि, मुदा ई सत्य नहि अछि। जं आरक्षण छीनबाक बात होइत, तं हमरा जका हाशिया पर रहल समुदायक लोक कें कैबिनेट मे स्थान कोना देल जाइत? ई सभ गलत बात अछि आ आरक्षण छीनबाक कोनो बात नहि चलि रहल अछि। मांझी ईहो कहलनि जे एससी-एसटी समुदाय मे बहुत रास एहन जाति अछि, जाहिमे साक्षरता दर बहुत नीचां अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here