6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

कनकनीक बीच सीएम जेपी गंगापथ सौंदर्यीकरण काजक केलनि निरीक्षण

 अधिकारीसभ कें देलनि निर्देश

पटना। बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राजधानी पटना मे जेपी गंगापथ पर कराएल जा रहल लैंडस्केपिंग, पौधरोपण आ सौंदर्यीकरण कार्यक निरीक्षण कएलनि। मुख्यमंत्री विकसित कएल जा रहल पार्कक निरीक्षण कएलनि। एहि दौरान अधिकारीसभ विकसित कएल जा रहल पार्कक संबंध मे मुख्यमंत्री के विस्तृत जानकारी देलनि।

मुख्यमंत्री अधिकारीसभ के निर्देश दैत कहलनि जे ई पार्क गंगा नदीक कात स्थित अछि, एहि लेल लोकसभक सुरक्षा आ सुविधा कें ध्यान मे राखि एकरा विकसित कराउ। एतय बहुत नीक काज भए रहल अछि। जेपी गंगापथ पर पार्क विकसित भेलासं हरियाली बढ़त आ एतय आबए बला लोक अपन परिवारक संग किछु समय बिता सकताह। ई काज कें जल्द पूरा कराउ।

निरीक्षणक दौरान मुख्यमंत्री कहलनि जे पौधारोपण भेलासं ई इलाका हरा-भरा देखायत। मुख्यमंत्री कहलनि जे जेपी गंगापथ एक अद्भुत परियोजना अछि, जकर सौंदर्यीकरण बेहतर ढंग सं करायल जा रहल अछि। आबए बला समय मे ई क्षेत्र लोकसभ लेल आकर्षणक केंद्र बनत। जेपी गंगापथ पर लोकसभ लेल सड़क सुरक्षा आ निर्बाध आवागमन जरूरी अछि, एकर पूरा ध्यान राखल जाए।

निरीक्षणक दौरान राज्यसभा सांसद सह जदयू कार्यकारी अध्यक्ष संजय कुमार झा, मुख्यमंत्रीक प्रधान सचिव दीपक कुमार, मुख्यमंत्रीक विशेष कार्य पदाधिकारी गोपाल सिंह, मुख्यमंत्रीक सचिव डॉ. चन्द्रशेखर सिंह, पटना प्रमंडलक आयुक्त अनिमेश परासर, जिलाधिकारी डॉ. त्यागराजन एसएम आ वरीय अधिकारीगण उपस्थित छलाह।

निरीक्षणक बाद सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर पोस्ट करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लिखलनि, “आइ जेपी गंगापथ पर कराए जा रहल लैंडस्केपिंग, पौधारोपण आ सौंदर्यीकरण कार्यक निरीक्षण कएलौं। निरीक्षणक क्रम मे ई काज के जल्द पूर्ण करए के निर्देश देलहुं। ई पार्क गंगा नदीक कात स्थित अछि, एही लेल लोकसभक सुरक्षा आ सुविधा के ध्यान मे राखि एकरा विकसित करए के कहल गेल अछि। जेपी गंगापथ पर लोकसभ लेल सड़क सुरक्षा आ निर्बाध आवागमनक पूरा ध्यान रखए के कहल गेल अछि। आबए वाला समय मे ई क्षेत्र लोकसभक आकर्षणक केंद्र बनत।”

फोटो 102

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here