14.3 C
London
Friday, April 3, 2026

मोतिहारी मे विषाक्त शराब सं 5 लोकक मृत्यु, 15 गंभीर, 6 गोटेक आंखिक इजोत गेल

– विभिन्न अस्पताल मे चलि रहल अछि सबहक इलाज, पकडल गेल चौकीदार

मोतिहारी, समदिया 

पूर्वी चंपारण जिलाक मोतिहारी मे फेर सं विषाक्त शराबक कहर देखल गेल। रघुनाथपुर थाना क्षेत्रक बालगंगा गाम सं शुरू भेल एहि शराबकांड मे अखन धरि 5 लोकक मृत्यु भए चुकल अछि, जहनकि 15 लोकक अवस्था गंभीर अछि। एहि मे सं 6 लोकक आंखिक इजोत स्थायी रूप सं चलि गेल अछि। सभक इलाज अलग-अलग अस्पताल मे चलि रहल अछि, जाहि मे दू गोटेक अवस्था विशेष रूप सं गंभीर बताओल गेल अछि।

मोतिहारी पुलिस हत्याक केस दर्ज कए जांच शुरू कए देलक। एकर संग-संग पुलिस दू पुलिसकर्मी पर कार्रवाई कए देलक। ई घटना राज्य मे शराबबंदी कानूनक कमजोर पक्ष कें उजागर करैत अछि। अखन धरि विषाक्त शराब सं चारि मृतकक आधिकारिक पुष्टि भेल अछि। एसएचओ कें निलंबित कए देल गेल अछि आ चौकीदार कें गिरफ्तार कए लेल गेल अछि।

एसडीपीओ कहलनि जे चौकीदारक मामिला संदिग्ध अछि आ ओकरा सं पूछताछ चलि रहल अछि। यदि ओकर संलिप्तता प्रमाणित भेल, तं जेल पठाओल जायत। पुलिसक अनुसार 11 लोकक अवस्था गंभीर अछि, आर सात लोक प्राथमिक उपचारक बाद घर गेल छथि। पुलिसक दावा अछि जे एहि मामिला मे तस्करक श्रृंखला पकड़ल गेल अछि। 12 आरोपी गिरफ्तार भए चुकल छथि। जांच मे आर नाम आबि रहल अछि तं आगां कार्रवाई कएल जायत। जं कोनो व्यक्ति सं शराब किनल गेल छल, ताहि पर सेहो गिरफ्तारी भेल अछि।

पहिल मृतक बृहस्पतिक प्रातः तुरकौलिया थाना क्षेत्रक फुलवा घाट निवासी चंदू कुमार (28 वर्ष) छथि। परिजन बिना पुलिस कें जानकारी देल, ओकक त्वरित दाह संस्कार कए देलनि, जाहि कारण शुरुआत मे मामिला नुकायल रहल। बालगंगा गामक लोहा ठाकुरक हालति बिगड़ला पर शराबक प्रभाव उजागर भेल। चंदू कुमार (28 वर्ष, फुलवा घाट), प्रमोद यादव (30 वर्ष, शंकर सरैया परसैया), परीक्षण मांझी (26 वर्ष, शंकर सरैया परसैया), हीरालाल भगत (हरदिया) आ संपत साह (40 वर्ष, बालगंगा)।

मृतकक अलावा 15 लोक जीवन आ मृत्यु बीच झूलि रहल छथि। 6 लोकक आंखिक रोशनी स्थायी रूप सं खत्म भए गेल अछि, जे मिथाइल अल्कोहलक प्रभाव दर्शाबैत अछि। सभक इलाज मदन राज नर्सिंग होम, एसकेएमसीएच मुजफ्फरपुर आ स्थानीय सदर अस्पताल मे चलि रहल अछि। दू गोटेक अवस्था विशेष रूप सं गंभीर अछि आ वेंटिलेटर पर छथि। डॉक्टरक अनुसार मिथाइल अल्कोहल सं कोमा, अंधापन आ फेफड़ा खराब होयबाक समस्या भए रहल अछि। एंटीडोट आ डायलिसिस सं इलाज कएल जा रहल अछि, मुदा बहुत केस मे सुधार कठिन अछि।

एसएचओ सस्पेंड, चौकीदार गिरफ्तार  

शराबकांडक खुलासाक बाद पूर्वी चंपारणक एसपी तुरंत कार्रवाई कएलनि। तुरकौलिया एसएचओ उमाशंकर मांझी कें लापरवाहीक आरोप पर निलंबित कएल गेल। रघुनाथपुर चौकीदार भरत राय कें गिरफ्तार कएल गेल। तुरकौलिया आ रघुनाथपुर थाना मे मृतक प्रमोद यादव आ हीरालाल भगतक परिजनक शिकायत पर हत्या केस दर्ज अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here