6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

दरभंगा एयरपोर्ट सं आब इंडिगो केर विमान भड़त उड़ान, जल्दिये शुरू होयत टिकट बुकिंग

दरभंगा, समदिया

दरभंगा एयरपोर्ट सं यात्रा करय वला लोक सभ लेल खुशखबरी अछि। एक दिसंबर सं इंडिगो एयरलाइंसक विमान सप्ताह मे चारि दिन दिल्ली-दरभंगा आ मुंबई-दरभंगाक लेल उड़ान भरत। एहि बातक जानकारी जदयूक कार्यकारी राष्ट्रीय अध्यक्ष संजय झा सोशल मीडिया पर देलनि। अखन इंडिगो एयरलाइंसक विमान दरभंगा-दिल्ली आ दरभंगा-मुंबई लेल उड़ान भरि रहल अछि।

जदयू नेता संजय झा कहलनि जे हुनका एहि बातक खुशी अछि जे दरभंगा एयरपोर्ट सं दिल्ली आ मुंबईक उड़ान लेल इंडिगो एयरलाइंस कें स्लॉट भेट गेल अछि। आब इंडिगोक विमान दरभंगा-दिल्लीक बीच प्रतिदिन आ मुंबइ लेल सप्ताह मे चारि दिन उड़ान सेवा आगामी एक दिसंबर सं शुरू करत। एहि लेल टिकटक बिक्री जल्दी शुरू होयबाक संभावना अछि। दरभंगा एयरपोर्ट सं उड़ान सभक अचानक रद्द होयबा सं यात्री सभ कें बहुत परेशानी भए रहल छल आ एकरा पर हुनकर भरोस कम भए रहल छल।

संजय झा कहलनि अछि जे ओ 21 सितंबर 2024 कें नई दिल्ली मे केंद्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री रामनाइक जी सं भेंट कए दरभंगा एयरपोर्ट सं यात्रा करय वला यात्री सभक परेशानी दूर करय आ रनवेक विस्तार कए एकरा अंतरराष्ट्रीय स्तरक एयरपोर्ट बनेबाक संबंध मे विस्तृत ज्ञापन सौंपने छलाह। इंडिगो कें टाइम स्लॉट उपलब्ध करेबा मे हुनकर सेहो सहयोग रहल। आब इंडिगो एयरलाइंस कें टाइम स्लॉट भेटि गेल अछि। एक दिसंबर सं सप्ताह मे चारि दिन दरभंगा सं दिल्ली आ दरभंगा सं मुंबई लेल उड़ान भरत। एहि सं दरभंगा एयरपोर्ट सं यात्रा करयवला यात्री सभ कें नीक सुविधा भेटत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here