– मंत्री सम्राट चौधरी आ दिलीप जायसवाल केलनि उद्घाटन
बक्सर, समदिया
बिहारक औद्योगिक मानचित्र पर एकटा महत्वपूर्ण उपलब्धि जुड़ल अछि। बक्सर जिलाक डुमरांव अनुमंडल अंतर्गत नावानगर मे शनि दिन एकटा कारखानाक भव्य उद्घाटन सम्पन्न भेल। एहि अवसर पर बिहार सरकारक उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी आ उद्योग मंत्री दिलीप जायसवाल रिमोट द्वारा बटन दबा कए कारखानाक शुभारंभ कएलनि।
नावानगर मे लदानी परिवार द्वारा स्थापित ई कारखाना लगभग एक हजार करोड़ रुपया सं अधिक लागत मे तैयार कएल गेल अछि। उद्घाटन उपरांत समूचा क्षेत्र उत्साहमय बनल अछि। जनसमुदाय कें आशा अछि जे आब रोजगारक खोज मे बिहार सं बाहर जाए पड़बाक बाध्यता कम होएत आ स्थानीय युवावर्ग कें अपनहि जिला मे कार्य अवसर उपलब्ध होएत।
औद्योगिक विकासक दिशा मे सशक्त पहल
उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी अपन संबोधन मे कहलनि जे बिहार कें आर्थिक रूप सं सुदृढ़ बनेबाक लेल सरकार चरणबद्ध तरीका सं कार्य कए रहल अछि। पहिने सड़कक जाल बिछाओल गेल, एकर बाद विधि-व्यवस्था सुदृढ़ कएल गेल, जल आ विद्युत व्यवस्था व्यवस्थित कएल गेल, आ आब उद्योगक विस्तार दिशामे ठोस प्रयास आरम्भ कएल जा रहल अछि।
पांच वर्ष मे उद्योगक व्यापक विस्तार होयत
उद्योग मंत्री दिलीप जायसवाल लदानी परिवारक आभार व्यक्त कए बिहार मे चारि-पांच आरो कारखाना स्थापित करबाक आग्रह कएलनि। ओ कहलनि जे आगां पांच वर्ष मे राज्य मे उद्योग क्षेत्रक व्यापक विस्तार देखबा मे आएत।
एहि अवसर पर उपमुख्यमंत्री प्रशासनिक पदाधिकारी सभ कें संबोधित कए कहलनि जे बिहार मे विधि-व्यवस्था सर्वोपरि अछि। जे कानूनक उल्लंघन करत, ओकरा लेल कारागार अथवा जीवनदायिनी गंगा तक पहुंचबाक परिस्थिति उत्पन्न होएत। पुलिस अधीक्षक शुभम आर्य आ जिलाधिकारी साहिला कें संबोधित करैत कहलनि जे आमजन कें कष्ट होए तं तत्काल प्रशासन कें सूचना देल जाए, शीघ्र कार्रवाई सुनिश्चित कएल जाएत।
स्थानीय लोकसभक अनुसार कारखाना चालू भेला सं प्रत्यक्ष रोजगारक संग परिवहन, पैकेजिंग, आपूर्ति शृंखला आ लघु व्यवसाय सभ के प्रोत्साहन भेटत। नावानगर आ आसपासक क्षेत्र मे होटल, दोकान आ अन्य सेवा क्षेत्रक विकास सँ समग्र आर्थिक गतिविधि मे तीव्रता आएत।
बक्सर सन जिला मे एतेक विशाल औद्योगिक परियोजना नव आशा संचारित कएलक अछि। आब देखबाक विषय ई अछि जे ई संयंत्र बेरोजगारी घटाबय आ औद्योगिक प्रगति के नव दिशा देबा मे कतबा प्रभावकारी सिद्ध होइत अछि। वर्तमान मे नावानगर धरती सँ आरम्भ भेल ई पहल बिहारक उज्ज्वल भविष्यक संकेत मानल जा रहल अछि।



