पटना, समदिया
प्रशांत किशोरक जन सुराज पार्टी भोजपुर जिलाक तरारी विधानसभा सीट पर उपचुनाव लेल नव प्रत्याशीक नामक घोषणा कए देलक अछि। जन सुराज पार्टी एतय सं किरण सिंह कें टिकट देलक अछि। एहि सीट पर पहिने पार्टी रिटायर्ड जनरल एसके सिंह कें उतारने छल, मुदा हुनकर नाम वोटर लिस्ट मे नहि रहबाक कारणें ओ उपचुनावक योग्य नहि रहलाह। एहि लेल पार्टी तरारी सं अपन कैंडिडेट बदललक। एकर संगहि संग पार्टी गया जिलाक बेलागंज विधानसभा सीट पर सेहो अपन प्रत्याशी बदललक अछि। एतय सं पार्टी प्रोफेसर खिलाफत हुसैनक जगह मोहम्मद अमजद कें कैंडिडेट बनेलक अछि। एकर घोषणा स्वयं खिलाफत हुसैन बुधदिन आरा मे आयोजित प्रेस कॉन्फ्रेंस मे केलनि। ओ कहलखिन जे ओ उपचुनाव नहि लड़य चाहैत छथि, आ अमजद बेलागंज सं सटीक कैंडिडेट छथि।
बेलागंज सं जन सुराजक प्रत्याशी मोहम्मद अमजद 2005 आ 2010 मे जदयूक टिकट पर विधानसभा चुनाव लड़ि चुकल छथि, ओना हुनका जीत नसीब नहि भेल छल। ओ एहि क्षेत्रक पुरान राजनेता छथि आ एहि सं पहिने मुखिया सेहो रहि चुकल छथि। अमजदक राजनीतिक अनुभव आ क्षेत्र मे पुरान संबंध हुनका उपचुनाव मे एक महत्वपूर्ण उम्मीदवार बनबैत अछि।
तरारी सं जन सुराजक उम्मीदवार किरण देवी एक सामाजिक कार्यकर्ता छथि। ओ पिछला किछु साल सं एनजीओक माध्यम सं क्षेत्र मे महिला सशक्तिकरण आ शिक्षाक लेल काज कए रहल छथि। किरण देवी राजपूत जाति सं अबैत छथि आ हुनकर पति वीरेंद्र कुमार धनबाद कोल फील्ड सं जुड़ल छथि। जन सुराजक तरारी मे आयोजित पहिल रैली मे ओ पैघ संख्या मे महिलाक संग पहुंचलीह। किरण देवी स्वयं सहायता समूह सं महिलाक मदति करैत छथि, जाहि सं हुनकर क्षेत्र मे लोकप्रियता बढ़ल अछि। बिहार मे महिलाक स्वयं सहायता समूह पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक विशेष प्रभाव रहल अछि आ राज्यक जीविका मॉडल देश भरि मे चर्चा मे रहल अछि।



