11.7 C
London
Sunday, March 1, 2026

जदयू एमएलसी नीरज केलनि राजद कें निष्प्राण करबाक घोषणा

 राजदक शक्ति कहलनि- जे कियौ जा रहल अछि तं हम की करी

पटना, समदिया

राजद विधायक रियाजुल हकक जदयू मे शामिल होयबाक घोषणाक बाद बिहारक सियासी गलियारा मे हलचल तेज भए गेल अछि। एहि बीच जदयू एमएलसी नीरज कुमार बिहार विधानसभा केर चालू बजट सत्र दौरान राजद कें निष्प्राण करबाक घोषणा कए सनसनी कए देलनि अछि। नीरज कुमार कहलनि जे रियाजुल हक तं झांकी छथि, पूरा फिल्म एखन बाकी अछि। ओतहि राजद प्रवक्ता शक्ति सिंह यादव कहलनि जे कियौ जा रहल अछि तं हम की करी।

बुधदिन मीडिया सं बातचीत मे जदयू एमएलसी नीरज कुमार कहलनि जे हम राजद कें तोड़ि नहि रहल छी। राजद विधायक अपन क्षेत्रक विकास करय चाहैत छथि, एहि लेल आबि रहल छथि। हुनकर कहब छल जे राजद विधायक आ कार्यकर्ता सभक अपन पार्टी मे पूछ नहि अछि। ओ सभ निरीह भए गेल छथि। ओ सभ कहैत छथि जे अपन बात कहबाक लेल केकरा लग जाएब। वर्तमान राजनीतिक माहौल मे जं ओ सभ जदयू मे आबय चाहैत छथि तं हम सभ हुनकर स्वागत लेल तैयार छी।

ओतहि राजद प्रवक्ता शक्ति सिंह यादव विधायक रियाजुल हकक जदयू मे शामिल होयबाक सवाल पर कहलनि जे कियौ जा रहल अछि तं हम की करी। संगहि ओ कहलनि जे सत्ता एहन व्यक्ति कें सौंपल गेल अछि जे एखन धरि ई नहि जानैत अछि जे हमर मंत्री के अछि। नौ मिनट मे बजट भाषण समाप्त कए देल गेल। बिहारक प्रति व्यक्ति आय आ प्रति व्यक्ति निवेश देश मे सभसं कम अछि। बजट मे शिक्षा पर सभसं बेसी खर्च देखाओल जाइत अछि, मुदा शिक्षा मामिला मे बिहार एखन धरि सभसं पिछड़ा अछि। रियाजुल हकक जदयू मे जाए पर शक्ति सिंह यादव कहलनि जे पार्टी हुनकर कोनो नोटिस नहि लेति अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here