राज्यपाल संतोष गंगवार कएलनि ध्वजारोहण
शिबू सोरेन कें पद्म भूषण मिलब राज्य लेल गौरव
फोटो 902
रांची। झारखंडक राजधानी रांची स्थित ऐतिहासिक मोरहाबादी मैदान मे गणतंत्र दिवस अवसर पर राज्यपाल संतोष गंगवार ध्वजारोहण कएलनि। 77म गणतंत्र दिवसक अवसर पर अपन संबोधन मे हुनका दिशोम गुरु शिबू सोरेन केँ पद्म भूषण पुरस्कार लेल चुनल जेनाय केँ राज्य लेल गौरवक विषय बतौलनि। ओ कहलनि जे ई पुरस्कार हुनकर अद्वितीय योगदानक सम्मान अछि आ एहि अवसर पर भारत सरकार प्रति आभार व्यक्त कएलनि।
राज्यपाल अपन संबोधन मे कहलनि जे झारखंड आइ प्रत्येक क्षेत्र मे निरंतर प्रगतिक दिस अग्रसर अछि। राज्य मे अवसरक कोनो कमी नहि अछि। आधारभूत संरचना मे निवेश, ऊर्जा क्षेत्र केँ मजबूती देबाक प्रयास, उद्योग-धंधा मे नवाचार, शिक्षा आ स्वास्थ्य क्षेत्र मे सुधार, संगहि कृषि क्षेत्र मे नया सुधार लागू कएल जा रहल अछि।
हुनका कहलनि जे आइ हर क्षेत्र मे नव अवसर उपलब्ध भ रहल अछि आ ई कहैत हुनका प्रसन्नता भेल जे अपन प्राकृतिक संसाधनक कारण झारखंड रत्नगर्भा कहलैत अछि। ई धरती मात्र सामाजिक आ आर्थिक विकास मे योगदान नहि द रहल अछि, बल्कि राष्ट्र केँ नई दिशा सेहो प्रदान क रहल अछि।
देशक विकास यात्रा मे झारखंडक भूमिका
राज्यपाल कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक नेतृत्व मे विकसित भारत @ 2047क लक्ष्य प्राप्त करबाक दिशा मे देश तेजी सं आगू बढ़ि रहल अछि। हुनका पूर्ण विश्वास व्यक्त कएलनि जे प्राकृतिक आ खनिज संपदा, युवा शक्ति आ समृद्ध सांस्कृतिक विरासत सं भरल झारखंड एहि ऐतिहासिक विकास यात्रा मे अग्रणी भूमिका निभायत।
अपन संबोधन दौरान राज्यपाल कहलनि जे झारखंडक समृद्ध सांस्कृतिक धरोहर, जनजातीय परंपरा आ ऐतिहासिक स्थल सभ केँ संरक्षित राखैत राज्य केँ विकासक पथ पर आगू बढ़ेबाक प्रयास कएल जा रहल अछि। एहि दिशा मे राज्य सरकार द्वारा हालहि मे पैसा नियमावली 2025 केँ अधिसूचित कएल गेल अछि।
कहलनि जे पैसा नियमावली 2025 जनजातीय समुदायक अस्तित्व आ अस्मिताक रक्षा दिशा मे मीलक पत्थर साबित होयत। एहि नियमावलीक उद्देश्य जनजातीय समुदाय सभक पारंपरिक व्यवस्था केँ सशक्त बनेनाय आ सुशासन कें मजबूत करेनाय अछि। एहि मे प्राकृतिक आ सामुदायिक संसाधन सभ पर ग्राम सभाक अधिकार स्पष्ट कएल गेल अछि।
ग्रामीण अर्थव्यवस्था सुदृढ़ करबाक प्रयास
77म गणतंत्र दिवसक संबोधन मे राज्यक संभावना पर प्रकाश दैत राज्यपाल संतोष गंगवार कहलनि जे राज्य मे एक दिसा सूक्ष्म, लघु आ मध्यम उद्योग सभ केँ प्रोत्साहित कए संतुलित, समावेशी आ तीव्र आर्थिक विकास बढ़ाओल जा रहल अछि। दोसर दिसा कृषि आ सामाजिक वानिकी जेकां क्षेत्र सभ केँ प्रोत्साहित कए अर्थव्यवस्था मे विविधता आनबाक प्रयास कएल जा रहल अछि। कृषि आधारित उद्योग सभक विकास माध्यम सं ग्रामीण अर्थव्यवस्था केँ सुदृढ़ कएल जा रहल अछि।
अपन संबोधनक अंत मे राज्यपाल कहलनि जे समृद्ध सांस्कृतिक विरासत केँ संरक्षित राखैत प्रगतिशील सोच संग विकासक राह पर आगू बढ़नाय हमसभक लक्ष्य अछि। जनता सहभागिता आ रचनात्मक सहयोग सं झारखंडक नवनिर्माणक रास्ता मे आबय बला हर चुनौतीक सामना करबा मे राज्य सक्षम होयत। गणतंत्र दिवसक एहि पावन अवसर पर समृद्ध, खुशहाल आ सशक्त झारखंड निर्माण लेल एकजुट होए संकल्प लेबाक अपील कएलनि।
15 प्लाटूनक परेड, छत्तीसगढ़ पुलिस पहिल बेर शामिल
मोरहाबादी मैदान मे आयोजित गणतंत्र दिवस समारोह दौरान कुल 15 प्लाटून परेड निकालल गेल। एहि मे पहिल बेर छत्तीसगढ़ पुलिसक प्लाटून शामिल भेल। राज्य पुलिस संगे महिला पुलिसक तीन टुकड़ी सेहो परेड मे शामिल रहल। संगहि झारखंड पुलिसक 10 महिला बटालियन, गृह रक्षक आ एनसीसीक टुकड़ी सेहो परेड मे भाग लेलनि। 77म गणतंत्र दिवसक परेड मे कुल चारि बैंड शामिल छल, जाहि मे एक बैंड 10 महिला पुलिसक टीमक रहल।
समारोह मे विभिन्न विभागक दिस सं निकालल गेल झांकी लोक सभक आकर्षणक केंद्र रहल।
आठ पुलिस अधिकारी आ जवान सम्मानित
गणतंत्र दिवस अवसर पर मोरहाबादी मैदान मे आयोजित ध्वजारोहण समारोह मे राज्यपाल झारखंड पुलिसक आठ अधिकारी आ जवान केँ विशिष्ट सेवा पदक सं सम्मानित कएलनि। ई पदक वर्ष 2022, 2023 आ 2024 मे सराहनीय सेवा लेल देल जायत।
वर्ष 2022 लेल दरोगा गणेश चंद्र पान, वर्ष 2023 लेल आईपीएस अश्विनी कुमार सिन्हा, डीआईजी संचार एवं तकनीकी सेवा, इंस्पेक्टर असित कुमार मोदी, रांची जिला, सिपाही सचिव सुब्बा आ सिपाही राजू कुमार क्षेत्री, झारखंड जगुआर, आ वर्ष 2024 लेल आईपीएस प्रभात कुमार, आईजी स्पेशल ब्रांच, एएसआई श्याम कुमार, जिला बल देवघर आ एएसआई नौशाद अली, जिला बल बोकारो केँ पदक देल जायत।



