11.7 C
London
Sunday, March 1, 2026

रोजगार लेल ऋण स्वीकृति आ वितरण असान होयत, सभ जिला मे लागत विशेष कैंप

पटना, समदिया

उद्योग मंत्री डॉ. दिलीप कुमार जायसवालक निर्देश पर उद्योग विभाग सं संबंधित योजना सभ — प्रधानमंत्री सूक्ष्म खाद्य उद्योग उन्नयन योजना (PMFME), प्रधानमंत्री रोजगार सृजन कार्यक्रम (PMEGP) आ प्रधानमंत्री विश्वकर्मा योजना — अंतर्गत ऋण स्वीकृति आ वितरण के प्रक्रिया के तेज करबाक उद्देश्य सं राज्यक सभ जिला मे 06 फरवरी आ 12 मार्च के ऋण कैंपक आयोजन कएल गेल अछि।

आयोजित ऋण कैंप मे संबंधित जिला पदाधिकारी, उद्योग विभागक पदाधिकारी, जीविकाक पदाधिकारी आ बैंक सभक वरीय पदाधिकारी भाग लेताह, जाहि सं पात्र लाभुक सभक योजना सभक लाभ सहज आ त्वरित रूप सं भेट सकय। एहिसं न केवल स्थानीय स्तर पर रोजगार सृजन के बल भेटत, बल्कि ग्रामीण आ शहरी क्षेत्र सभ में आर्थिक गतिविधि सेहो तेज होयत।

उक्त तिथि सभ पर जिला मे आयोजित होमय बला ऋण कैंपक सफल संचालन आ प्रभावी अनुश्रवण लेल उद्योग विभाग द्वारा विभागीय पदाधिकारी सभक जिलावार दायित्व सौंपल गेल अछि, जाहि सं ऋण स्वीकृति आ वितरणक प्रक्रिया सुचारु रूप सं पूरा कराओल जा सकय। उद्योग विभाग कें ई प्रयास राज्य मे उद्यमिता आधारित विकासक मजबूती देबाक दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण कदम अछि, जाहि सं आत्मनिर्भर बिहारक लक्ष्यक साकार करय मे सहयोग भेटत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here