6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

दरभंगामे सेहो दौड़ेत मेट्रो, बनत स्टेशन, सामने आयल रूट चार्ट

दरभंगा, समदिया

दरभंगा शहर मे मेट्रो रेलक घोषणा भेला सं लोकक खुशीके ठेकान नहि अछि। दरभंगाक लोक लेल मेट्रो रेल रूटकेँ लए कए  दरभंगा नगर निगमक सभागार मे एकटा महत्वपूर्ण बैसार भेल। एह बैसार में मेट्रो रेल परियोजनासँ जुड़ल आरआईटीएस केर अधिकारी सभ मौजूद छलाह। एकर   संगे दरभंगाक जिलाधिकारी राजीव रौशन, दरभंगाक सांसद गोपाल जी ठाकुर, नगर विधायक संजय सरावगी, दरभंगाक मेयर अंजुम आरा आ नगर आयुक्त राकेश गुप्ता सेहो बैसार में भाग लेलन्हि।

जानकारीक मुताबिक मेट्रो अधिकारी सभ बैसार में मॉनिटर पर डिस्प्ले क’ क’ अपन बनाओल संभावित रूटकेँ देखेलन्हि। संगहि ओहि रूटक कारण सेहो स्पष्ट कएल गेल। संगहि बैसार में मौजूद अधिकारी सभक राय सेहो लेल गेल। बैसार में पहिल चरणक संभावित रूट पर विस्तृत चर्चा कएल गेल, आ एक मत बनेबाक प्रयास भेल जे सँ दरभंगा वासी सभकेँ अधिक सँ अधिक फायदा होअए। एहि हिसाबसँ फेर सँ मेट्रो रेल रूट बनाओल जाइबाक बात कहल गेल अछि।

सामने आएल रूट चार्ट

पहिल चरण में अधिकांश लोक मेट्रो रेल रूटकेँ एकटा रिंग रोडक तर्ज पर बनएबाक बात क’ रहल अछि। ओकरा बाद दोसर आ तेसर चरण में एकरा विस्तार करबाक चर्चा अछि। मुदा सभक सहमति एहि पर अछि जे दरभंगा हवाई अड्डा, बस स्टैंड, डीएमसीएच अस्पताल, लहेरियासराय में जिला मुख्यालय, आ रेलवे स्टेशन होइत दरभंगा में बनैवाला नव एम्सकेँ जोड़ैत दरभंगा हवाई अड्डा धरि रूट निर्धारण कैल जाए।

शीघ्र काज आरम्भ होयत

हालाँकि, बैसार में अबधि अंतिम मोहर नहि लगल अछि। मुदा आशा अछि जे अगिला बैसारक बाद मेट्रो रेल रूट पर अंतिम मुहर लगि सकैत अछि। एहि सँ बाद सम्पूर्ण योजना केर डीपीआर तैयार क’ काज केँ शीघ्र आरम्भ कैल जायत।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here