सहिया कें 24 हजार देल जायत
रांची। झारखंड विधानसभा के बजट सत्र के तेसर दिन स्वास्थ्य मंत्री इरफान अंसारी कहलनि जे सहिया कर्मी सभ कें राज्य सरकार विभिन्न स्वास्थ्य कार्यक्रम जकां टीकाकरण, फाइलेरिया आ मलेरिया अभियान लेल मासिक इंसेंटिव देइत अछि। एहि सं हुनकर मासिक आय 10-12 हजार रुपैया धरि पहुँचैत अछि।
ओ कहलनि जे 8 मार्च महिला दिवस पर सहिया सभ कें एक सालक एकमुश्त 24 हजार रुपैया देल जायत।
सदन मे प्रवासी मजदूर सभक मुद्दा सेहो उठल।
पिंड्राजोड़ा कें अलग प्रखंड बनेबाक मांग
बोकारो विधायक श्वेता सिंह कहलनि जे पिंड्राजोड़ा क्षेत्रक लोक सभ कें छोट-छोट सरकारी काज लेल चास प्रखंड कार्यालय जाए पड़ैत अछि, जे बहुत दूर अछि। ओ पिंड्राजोड़ा कें अलग प्रखंड घोषित करेबाक मांग केलनि।
6,450 करोड़ रुपैयाक तृतीय अनुपूरक बजट पेश
वित्त मंत्री राधाकृष्ण किशोर 6 हजार 450 करोड़ रुपैयाक तृतीय अनुपूरक बजट पेश केलनि। सदनक कार्यवाही दुपहर 2 बजे धरि स्थगित कय देल गेल। देवघर विधायक सुरेश पासवान भाजपा पर निशाना साधैत कहलनि जे पार्टी दू करोड़ नौकरी देबाक वादा पूरा नहि कय सकल। ओ आरोप लगेलनि जे धर्मक नाम पर राजनीति होइत अछि आ जमीन हड़पबाक काज होइत अछि। ओ कहलनि जे हेमंत सोरेन के सरकार बनल अछि, जे विपक्ष कें पचैत नहि अछि।
छात्रवृत्ति आ आंदोलनकारी पेंशन मुद्दा
डुमरी विधायक जयराम महतो कहलनि जे छात्रवृत्ति के मुद्दा गंभीर अछि। आर्थिक संकट कारण अनेक छात्र पढ़ाई छोड़ि गाम लौटि रहल छथि। ओ मांग केलनि जे जे आंदोलनकारी जेल गेल छथि हुनका 15 हजार आ जे जेल नहि गेल छथि हुनका 10 हजार रुपैया पेंशन देल जाव।
अपराध पर सवाल
कोडरमा विधायक नीरा यादव कहलनि जे राज्य मे लूट, छीनतई आ हत्या कें घटना बढ़ि रहल अछि। राज्यपालक अभिभाषण मे अपराध मुक्त राज्यक दावा पर ओ सवाल उठेलनि।
जेपीएससी परीक्षा मे उम्र सीमा मे छूट संकेत
संसदीय कार्य मंत्री राधाकृष्ण किशोर संकेत देलनि जे झारखंड लोकसेवा आयोग (जेपीएससी) सिविल सेवा परीक्षा मे अधिकतम उम्र सीमा मे छूट मिल सकैत अछि।
ओ कहलनि जे कैबिनेट बैठक मे एहि विषय पर चर्चा भ’ चुकल अछि आ मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन एहि पर गंभीर छथि। जे अभ्यर्थी हाईकोर्ट नहि गेल छथि, हुनका सेहो राहत देबाक प्रयास चलि रहल अछि।
विधायक प्रदीप यादव, अमित कुमार महतो आ जयराम महतो एहि मुद्दा कें सदन मे जोरदार ढंग सँ उठेलनि। जयराम महतो कहलनि जे पिछला बेर कटऑफ अगस्त 2017 छल, तऽ एहि बेर उम्र गणना 1 अगस्त 2018 धरि होएबाक चाही।
भ्रष्टाचार पर विपक्षक हमला
नेता प्रतिपक्ष मरांडी कहलनि जे सरकार भ्रष्टाचार पर जीरो टॉलरेंस के दावा करैत अछि, मुदा हाई-प्रोफाइल मामला मे एसीबी चार्जशीट दाखिल नहि क’ पाबैत अछि। शराब घोटाला, लोकायुक्त आ सूचना आयुक्त पद खाली रहबाक बात सेहो उठाओल गेल। धान खरीद लक्ष्य 60 लाख क्विंटलक मुकाबला लगभग 40 प्रतिशत पूरा होएबाक बात कहल गेल।



