11.7 C
London
Sunday, March 1, 2026

नव वर्ष मे देवघर मे उमड़त लाखो श्रद्धालु, बाबा बैद्यनाथ मंदिर मे पूर्ण तैयारी

 शीघ्र दर्शनक लेल 600 रुपैया, भोर 5 बजे सं दर्श

देवघर। नव वर्षक अवसर पर देवघर स्थित बाबा बैद्यनाथ धाम मे आस्थाक सैलाब उमड़बाक संभावना जताओल जा रहल अछि। सालक अंतिम दिन आ 1 जनवरी 2026 कें देशक विभिन्न हिस्सा सं लाखो श्रद्धालु बाबा बैद्यनाथक दर्शन-पूजन लेल देवघर पहुंचताह।

भक्त लोकनिक मान्यता अछि जे वर्षक अंतिम दिन आ नव वर्षक पहिल दिन बाबा बैद्यनाथक पूजा-अर्चना कएला सं पूरा साल सुख, शांति आ समृद्धि सं भरल रहैत अछि। एहि आस्था कारणे हर साल जकां एहि बेर सेहो बाबा धाम मे भारी भीड़ जुटबाक अनुमान अछि। मंदिर प्रशासनक अनुसार बिहार, झारखंड, पश्चिम बंगाल, ओडिशा सहित कतेको राज्य सं श्रद्धालु देवघर अबैत छथि।

नव वर्ष कें लए कए मंदिर परिसरक संगहि बीएड कॉलेज रोड, नेहरू पार्क, टावर चौक, शिवगंगा आ आसपासक इलाका मे सेहो श्रद्धालुक भारी आवाजाही देखल जा सकैत अछि। एहि दू दिन मे कई लाख श्रद्धालु बाबा धाम मे पूजा करबाक लेल एतबाक उम्मीद जताओल जा रहल अछि। एहि कें ध्यान मे राखैत प्रबंधन द्वारा सभ आवश्यक तैयारी पूर्ण कएल गेल अछि।

एहि क्रम मे मंदिर प्रशासन 1 जनवरी 2026 लेल शीघ्र दर्शन कूपनक दर मे बदलाव कएल अछि। सामान्य दिन मे शीघ्र दर्शनक शुल्क 300 रुपैआ रहैत अछि, मुदा 1 जनवरी कें एकरा बढ़ा कए 600 रुपैआ कएल गेल अछि। तथापि सामान्य कतार सं दर्शन-पूजनक व्यवस्था पहिने जकाँ जारी रहत, जाहि सं आम श्रद्धालु सहजता सं बाबा बैद्यनाथक दर्शन कए सकथि।

नव वर्ष पर बढ़ैत भीड़ कें देखैत जिला प्रशासन द्वारा व्यापक तैयारी कएल गेल अछि। श्रद्धालुक सुरक्षा आ सुविधा लेल अतिरिक्त पुलिस बलक तैनाती, दंडाधिकारीक नियुक्ति, सीसीटीवी कैमरा सं निगरानी आ यातायात नियंत्रणक विशेष व्यवस्था कएल गेल अछि। भीड़ प्रबंधन लेल अलग-अलग प्रवेश आ निकास मार्ग निर्धारित कएल गेल अछि, जाहि सं कोनो प्रकारक अव्यवस्था नहि हो।

मंदिर प्रबंधनक अनुसार 1 जनवरी कें सुबह 5 बजे सं आम श्रद्धालुक लेल बाबा बैद्यनाथक पूजा-अर्चना शुरू भए जायत। प्रशासन आ मंदिर समिति श्रद्धालु सं शांति, अनुशासन आ नियमक पालन करैत दर्शन करबाक अपील कएल अछि, जाहि सं सभ भक्त सुरक्षित आ सुगम तरीका सं नव वर्षक शुरुआत कए सकथि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here