9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

माउंट माउंगानुई टेस्ट मे न्यूजीलैंडक जीत, वेस्टइंडीज 323 रन सं पराजित

 सीरीज 2–0 सं कीवी टीमक नाम

न्यूजीलैंड सोम कें माउंट माउंगानुई मे खेलाओल गेल तेसर टेस्ट मैच मे वेस्टइंडीज कें 323 रन सं शिकस्त देलक अछि। एहि जीतक संगहि कीवी टीम तीन मैचक सीरीज 2–0 सं अपन नाम कए लेलक अछि। एहि मुकाबला मे जैकब डफी केर घातक गेंदबाजी निर्णायक साबित भेल, जखन ओ दोसर पारी मे पांच विकेट चटकौने छथि।

न्यूजीलैंड वेस्टइंडीज कें 462 रनक विशाल लक्ष्य देलक, मुदा मेहमान टीम मात्र 138 रन पर सिमटि गेल। लंच सं पहिने आ लंचक बाद वेस्टइंडीज केर बल्लेबाजी पूरी तरह बिखरि गेल आ चाय ब्रेकक तुरंत बाद केवल चारि ओवर मे पूरी टीम ऑलआउट भए गेल।

जैकब डफी 42 रन देत पांच विकेट लेलनि, जखन कि स्पिनर अजाज पटेल 23 रन देत तीन विकेट अपन नाम कएलनि। वेस्टइंडीज दिस सं दोसर पारी मे सलामी बल्लेबाज ब्रैंडन किंग सर्वाधिक 67 रन बनौने छथि।

दरार सं भरल पिच पर असमान उछाल आ मूवमेंट भेट रहल छल, जाहि केर डफी आ अजाज भरपूर फायदा उठौने छथि। वेस्टइंडीज केर टीम एक समय बिना विकेट खोने 87 रन पर छल, मुदा एकर बाद 25 रनक भीतर आठ विकेट गंवा देलक।

दिनक शुरुआत वेस्टइंडीज 43 रन बिना विकेट खोने कएलक। ब्रैंडन किंग आक्रामक बल्लेबाजी करैत टीमक शुरुआती 59 रन मे सं 53 रन बनौने छलाह। मुदा ड्रिंक्स ब्रेकक बाद न्यूजीलैंड फील्डिंग मे आक्रामकता बढ़ौलक आ एहिठाम सं मैचक रुख बदलि गेल।

डफी 87 रनक स्कोर पर किंग कें गली मे ग्लेन फिलिप्स केर हाथों कैच करबा पहिल सफलता हासिल कएलनि। एकर बाद अजाज पटेल जॉन कैंपबेल कें 16 रन पर आउट कएलनि आ शीघ्रे कावेम हॉज कें खाता खोलय सं पहिनहि पवेलियन पठा देलनि। डफी लगातार झटका दैत एलेक अथानाज 2, जस्टिन ग्रीव्स 0 आ कप्तान रोस्टन चेज कें 5 रन पर आउट कएलनि। चेज लेल ई सीरीज बेहद खराब रहल, जाहि मे ओ तीन टेस्ट मे कुल 42 रन मात्र बना सकलाह।

अजाज पटेल शाई होप कें 3 रन पर एलबीडब्ल्यू कएलनि। एकर बाद ग्लेन फिलिप्स चोटिल केमार रोच कें 4 रन पर बोल्ड कएलनि। अंतिम सत्र मे रचिन रविंद्र एंडरसन फिलिप कें आउट कएलनि आ अंत मे जैकब डफी जेडन सील्स कें बोल्ड करैत वेस्टइंडीज केर पारी आ मैच दुनू समाप्त कए देलनि।

एहिसं पहिने न्यूजीलैंड दिस सं दुनू पारी मे सलामी बल्लेबाज सभ शानदार शुरुआत देलक। डेवोन कॉनवे पहिल पारी मे 227 रन आ दोसर पारी मे 100 रन बनौने छथि, जखन कि कप्तान टॉम लैथम 137 आ 101 रन केर शतकीय पारी खेलने छथि। टेस्ट क्रिकेटक इतिहास मे ई पहिल मौका अछि जखन कोनो सलामी जोड़ी एके मैचक दुनू पारी मे शतक लगौने अछि। एहि दुनू बल्लेबाजक बदौलत न्यूजीलैंड पहिल पारी मे आठ विकेट पर 575 रन बनौलक आ दोसर पारी मे दू विकेट पर 306 रन बना कए पारी घोषित कएलक।

सीरीजक शुरुआत क्राइस्टचर्च मे खेलाओल गेल पहिल टेस्ट ड्रॉ सं भेल छल। एकर बाद वेलिंगटन मे न्यूजीलैंड दोसर टेस्ट जीतलक आ आब तेसर टेस्ट मे शानदार जीत दर्ज करैत सीरीज पर कब्जा जमा लेलक अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here