6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

दरभंगा सं दिल्ली नव इंडिगो विमानक टिकट भेल शुरू, मुंबइ लेल सेहो भेटय लागल टिकट

दरभंगा, समदिया

मिथिलाक प्रमुख एयरपोर्ट दरभंगा सं दिल्ली लेल इंडिगो एयरलाइंसक नव फ्लाइटक बुकिंग बुधदिन सांझ सं शुरू भए गेल। जनता दल यूनाइटेड (जेडीयू) केर कार्यकारी अध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद संजय झा एहि बारे मे जानकारी देलनि अछि। ओ कहलनि जे इंडिगो एयरलाइंस पिछला दिनसभ मे दरभंगा सं दिल्ली आ मुंबई लेल उड़ान शुरू करबाक फैसला लेने छल। दिल्ली लेल पहिल फ्लाइट 12 दिसंबर कें उड़ान भरत। एहि लेल यात्री बुधक सांझ सं टिकट बुकिंग शुरू कए देलनि अछि। ओतै, मुंबई लेल इंडिगो केर नव फ्लाइटक बुकिंग पहिनहि सं शुरू भए चुकल अछि।

जेडीयू सांसद संजय झा बुधदिन सोशल मीडिया पर पोस्ट पर लिखलनि जे इंडिगोक नव विमान शुरू भेला सं दरभंगा सं देशक राजधानी दिल्ली आ आर्थिक राजधानी मुंबईक बीच हवाई यात्रा सुलभ भए जायत। एहि सं मिथिलाक लाखो लोक कें लाभ भेटत। संगहि मिथिला क्षेत्रक विकास कें सेहो मजबूती भेटत।

बता दी जे गत सप्ताह संजय झा स्वयं दरभंगा एयरपोर्ट सं नव उड़ान शुरू होयबाक जानकारी देने छलाह। ओ कहलनि जे दिल्ली आ मुंबई फ्लाइट लेल इंडिगो एयरलाइंसक दरभंगा एयरपोर्ट पर स्लॉट भेटि गेल अछि। आब दरभंगा सं दिल्लीक बीच प्रतिदिन आ मुंबइक लेल सप्ताह मे चारि दिन इंडिगो केर फ्लाइट उड़ान भरत। मुंबइक फ्लाइटक शुरुआत 1 दिसंबर सं होमक अछि।

बता दी जे पिछले किछु मा सं दरभंगा एयरपोर्ट सं हवाई यात्रा करय वला यात्री सभ कें परेशानीक सामना करय पड़ि रहल अछि। एहिठाम सं अखन एकहि एयरलाइंस (स्पाइसजेट) केर फ्लाइट चलि रहल छल। एहि मे सेहो कतेको बेर विमानक देरी सं आवागमन आ अचानक रद्द भेला सं यात्री सभ कें समस्या होइत अछि। जेडीयू सांसद संजय झा पिछला मास नागरिक उड्डयन मंत्री राम नाइक सं भेंट कए दरभंगा एयरपोर्ट पर विमान सभक संख्या बढ़ाबय आ सुविधासभक विकास करबाक मांग कयने छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here