गोपालगंज, समदिया
कुख्यात अपराधी सुरेश चौधरी उर्फ सुरेश यादवक अज्ञात हमलावर सभ हत्या क’ देलक। पश्चिम बंगालक हावड़ा स्थित संध्या बाजार मे गोली मारी क’ ओकर मर्डर कैल गेल। सुरेश चौधरी ट्रिपल मर्डर आ मुखिया हत्याकांड सहित दू दर्जन सं बेसी मामला मे वांछित छल। अखन पुलिस गैंगवारक एंगल सं मामलाक जांच प्रारंभ केलक अछि।
जानकारीक अनुसार मंगलदिन राति कुख्यात अपराधी सुरेश चौधरी हावड़ाक संध्या बाजार इलाका मे छल, तखने अज्ञात अपराधी सभ ओकरा घेरि क’ गोली सं भूनि हत्या क’ देलक। घटनास्थल पर उपस्थित लोकनि तत्क्षण पुलिस कें एहि संबंध मे सूचना देलनि। सूचना भेटते पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल आ शवक कब्जा लए पोस्टमार्टम लेल अस्पताल पठा देलक। ई घटना सुरेश चौधरीक आपराधिक इतिहास आ अन्य राज्यसभमे ओकर नेटवर्क पर गंभीर सवाल खड़ा करैत अछि।
हावड़ा सिटी पुलिस कमिश्नर प्रवीण त्रिपाठी कहलनि जे मंगलदिन राति करीब 9 बजकर 30 मिनट पर हावड़ा थाना क्षेत्रक संध्या बाजार इलाकामे दू बदमाश बाइक पर आबि सुरेश यादव उर्फ सुरेश चौधरी (55) पर गोली चला देलक। मृतक दू दिन पहिले मात्र हावड़ा आयल छल। घटनाक समय ओ बन बिहारी बसु लेन मे टहलि रहल छल। हमरा सभक हाथ किछु महत्वपूर्ण सबूत लागत आयल अछि। आरोपी सभ कें बहुत जल्द गिरफ्तार क’ लेल जायत।
शुरुआती जाँच मे पुलिसक अनुमान अछि जे सुरेश निजी काज सं हावड़ा आयल छल। हमलावर सभ हुनकर गतिविधि पर नजर रखि रहल छल आ मौका पाइक ओकर हत्या क’ देलक। पुलिस एहि बातक सेहो जाँच क’ रहल अछि जे की एहि हत्या क’ संबंध बिहार सं अछि। घटनास्थल सं सीसीटीवी फुटेज पुलिस पहिने सं संकलन क’ लेने अछि। अपराधीसभक खोज मे सभ संभावित ठाम छापामारी होइत अछि। एकर संगहि एहि बातक सुनिश्चितता सेहो कयल जा रहल अछि जे अपराधी हावड़ा छोड़िक’ आन ठाम नहि भागि जाए।
मृतक सुरेश चौधरी बिहार पुलिस लेल पैघ सिरदर्द मानल जाइत छल। पुलिस रेकॉर्डक अनुसार सुरेशक खिलाफ ट्रिपल मर्डर, मुखिया हत्याकांड समेत दू दर्जन सं बेसी गंभीर आपराधिक मामला दर्ज छल। एहि मामलासभमे ओ लंबे समय सं फरार छल आ पुलिस ओकरा खोजि रहल छल।
एसपी अवधेश दीक्षित कहलनि जे कुख्यात अपराधी सुरेश चौधरीक हत्या क’ बाद एहतियातक तौर पर ओकर गाम काकड़कुंड मे भारी संख्या मे पुलिस बल तैनात कयल गेल अछि, जाहिसं कोनो अप्रिय घटना नहि घटय।



