ग्रामीणक अविलंब स्थायी व्यवस्था करबाक मांग
सहरसा, सहरसा
वर्ष 2006 मे स्थापित महिषी उत्तरी पंचायतक बिंद टोला मे स्थित एनपीएस विद्यालयक अस्तित्व संकट मे पड़ल अछि। स्थापना काल सए भूमिहीन आ भवनहीन ई विद्यालय अखन धरि अस्थायी रूप सं राजकमल क्रीड़ा मैदानक पूर्व आ दक्षिण किनारक अति सामान्य भवन मे चलि रहल अछि। मुदा राज्य सरकारक भवन निर्माण विभाग द्वारा लगभग तीन करोड़ रूपैया लागत सं स्टेडियमक निर्माण प्रगति पर अछि। जकर कारण दीवालक नींव लेबाक क्रम मे विद्यालयक अस्थायी कक्षा ओकर ठीक बगल मे पूर्णतः बंद होयबाक स्थिति मे अछि।
108 नामांकित छात्र-छात्रा आ चार शिक्षकक संग ई विद्यालय शिक्षा विभागक ध्यानक अभाव मे वर्ष सं शिक्षा दए रहल अछि। लगभग 20 वर्ष पुरान ई विद्यालय महिषी उत्तरी पंचायतक महिषी गांमक पुनर्वास क्षेत्र आ आसपासक विभिन्न वसावट मे रहनिहार बच्चाक लेल स्थापित भेल छल। मुदा शिक्षा विभागक बेरुखी आ लचर व्यवस्था कारण ई विद्यालय स्थायी भवन सं महरूम अछि।
विद्यालयक प्रधान शिक्षिकाक अनुसार उच्चाधिकारी विभिन्न पत्र आ ई-शिक्षा कोशक माध्यम सं कई बेर स्मारित कयल गेल, मुदा अब तक ई विद्यालय भवनहीन अछि। आब जखन राजकमल स्टेडियमक निर्माण जोर पर अछि, त स्थानीय लोग विद्यालयक मूल स्थान आ स्थायी भवन मे स्थानांतरित करबाक मांग जोर सं करय लागल छथि। प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी, जिला शिक्षा पदाधिकारी आ राज्य मुख्यालय स्थित शिक्षा विभाग सं स्थानीय लोग आग्रह कए रहल छथि जे अविलंब स्थायी व्यवस्था कैल जाय, जाहि सं बच्चाक पढ़ाई पर कोनो संकट उत्पन्न न हो।



