– पूरा बिहार घुमि कए काजक फीडबैक लेताह मुख्यमंत्री
पटना, समदिया
बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 16 जनवरी सं राज्यव्यापी समृद्धि यात्रा पर निकलताह। एहि यात्राक माध्यम सं मुख्यमंत्री राज्यक सभ जिलाक दौरा कए विकास योजना सभक जमीनी हालति केर निरीक्षण करताह आ आम जनता सं सीधा संवाद करताह। मुख्यमंत्रीक एहि यात्राक मुख्य उद्देश्य राज्य मे चलि रहल विकास कार्यक समीक्षा करब आ भावी योजना सभ कें गति देबाक अछि।
समृद्धि यात्राक संबंध मे मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत सभ विभागक प्रधान सचिव आ सभ जिलाक जिलाधिकारी कें पत्र लिखि आवश्यक दिशा-निर्देश जारी केने छथि। पत्र मे स्पष्ट कएल गेल अछि जे यात्राक दौरान मुख्यमंत्री प्रत्येक जिला मे संचालित विकास योजना, सरकारी कार्यक्रम आ जनकल्याणकारी योजना सभक प्रगतिक गहन समीक्षा करताह।
एहि यात्राक क्रम मे मुख्यमंत्री वरिष्ठ अधिकारी सभक संग समीक्षा बैठक करैत योजना सभ मे आबि रहल बाधा सभ कें दूर करबाक निर्देश देताह। संगहि स्थानीय जनप्रतिनिधि, सामाजिक संगठन आ आम नागरिक सभ सं संवाद कए हुनकर समस्या सभ सुनताह आ समाधान लेल आवश्यक डेग उठौताह। जानकारी अनुसार, समृद्धि यात्राक दौरान शिक्षा, स्वास्थ्य, सड़क, पेयजल, सिंचाई, रोजगार आ महिला सशक्तिकरण सं जुड़ल योजना सभ पर विशेष ध्यान देल जायत।
कतेको स्थान सभ पर मुख्यमंत्री नव योजना सभक शिलान्यास आ लोकार्पण सेहो करताह, जाहि सं विकास कार्यक गति आर तेज होयत। एहि सं ने सिर्फ आधारभूत संरचना मजबूत होयत, बल्कि स्थानीय स्तर पर रोजगार आ सेवा सुविधा सभ मे सेहो सुधार होयबाक उम्मीद अछि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक समृद्धि यात्राक प्रशासनिक संग-संग राजनीतिक दृष्टि सं सेहो महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि। प्रशासनिक स्तर पर एहि यात्रा लेल व्यापक तैयारी शुरू भए गेल अछि। संबंधित जिला सभक अधिकारी कें आवश्यक निर्देश जारी कएल जा चुकल अछि। सुरक्षा व्यवस्थाक संग कार्यक्रम स्थल सभ पर जरूरी व्यवस्था कएल जा रहल अछि, जाहि सं यात्रा सुचारू आ सुरक्षित रूप सं संपन्न भए सकय।
एहि यात्रा सं ने केवल विकास योजना सभक समीक्षा होयत, बल्कि स्थानीय समस्या सभक त्वरित समाधान दिस सेहो ठोस पहल होयबाक संभावना अछि। समृद्धि यात्रा कें राज्य मे विकास आ सुशासन कें मजबूत करबाक दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण डेग मानल जा रहल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे एहि सं पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रगति यात्रा पर निकलल छलाह, जाहि दौरान अनेक योजना सभक शिलान्यास, लोकार्पण आ घोषणा कएल गेल छल। समृद्धि यात्राक माध्यम सं सरकार आब विकास कार्यक वास्तविक स्थिति बुझि कए ओकरा आर प्रभावी बनेबाक दिशा मे अग्रसर होयत, एहन अपेक्षा कएल जा रहल अछि।



