9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

हमर संघर्ष सं मोदी सरकार झुकल, डबल इंजन सरकारक असली चेहरा उजागर भेल : तेजस्वी

पटना, समदिया

आइ गांधी जयंती अछि। पूरा देश राष्ट्रपिता महात्मा गांधी कें नमन कए रहल अछि। एहि अवसर पर विपक्षक नेता तेजस्वी प्रसाद यादव बयान जारी करैत कहलनि जे हम सब 𝟐 अक्टूबर 𝟐𝟎𝟐𝟑 कें ओहि ऐतिहासिक दिन कें मोन पाड़ैत छी, जखन प्रदेशक सब सं पैघ पार्टीक उपमुख्यमंत्रीक रूप मे अपन दशकों पुरान संकल्पक रूप मे बिहार मे जातीय सर्वेक्षण करवा कें पूरा केने रही आ ओकर रिपोर्ट सेहो सार्वजनिक केने रही।

तेजस्वी यादव कहलनि जे 𝟐 अक्टूबर 𝟐𝟎𝟐𝟑 कऽ ओहि विशेष दिन रिपोर्ट प्रकाशित करैत हम सब एलान केने रही जे आब पूरा देश जातीय जनगणना चाहैत अछि। एकरा मे आब हम सब देर नहि होए देब। हुनकर कहब अछि जे हमर संघर्ष एहि अड़ियल सरकार कें झुकैब दयल, भाजपा आ आरएसएसक लोक जे दिन-रात जातीय जनगणनाक खामीक गान गबैत छल आ ओकर विरोध मे बयान दैत छल, ओहि सभ पर राजनीतिक आ सामाजिक दबाब बना कें पूरा देश मे जातीय जनगणनाक घोषणा करबा लेल विवश केल गेल। जखनकि हुनकर मंशा आ क्रियान्वयन पर गभीर संदेह अछि।

नेता प्रतिपक्ष कहलनि जे दलित-पिछड़ा विरोधी आ आरक्षण चोर बीजेपी 𝟔𝟓 प्रतिशत आरक्षणक बढ़ोतरी कें संविधानक 𝟗म अनुसूची मे शामिल नहि केलक। एहि प्रकार सं ई लोकनि दलित, पिछड़ा, अतिपिछड़ा आ आदिवासी वर्गक अधिकार पर डाका डालने अछि। डबल इंजन सरकार एहि वर्गक सीना मे खंजर भोंकने अछि। एनडीए सरकारक एहि आरक्षण विरोधी कदम सं एहि वर्ग कें लाखों नौकरीक अवसरक नुकसान झेलबाक बाध्यता भेल अछि।

तेजस्वी यादव कहलनि जे पिछड़ा, वंचित, दलित, शोषित आ गरीबक लेल हुनकर लड़ाइ जारी रहत आ ओतबे दिन धरि जारी रहत जखन धरि आबादीक अनुपात अनुसार हिस्सेदारी सुनिश्चित नहि भऽ जाइ। आरक्षणक दायरा 𝟓𝟎 प्रतिशतक सीमा पार नहि कऽ लेत। पिछड़ा, दलित, शोषित, वंचित आ गरीब वर्ग सक्षम, शिक्षित, आर्थिकी आ सामाजिक रूप सं न्याय नहि पाबि लैत। आर्थिक न्यायक लेल तेजस्वी कें अहां सभक साथक आवश्यकता अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here