9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

पाकिस्तान दोसर बेर अंडर-19 एशिया कप जीतलक, भारत कें 191 रन सं हरौलक

 वैभव 26 रने बना सकल,  समीरमिन्हासक शतक

पाकिस्तान दोसर बेर अंडर-19 एशिया कपक खिताब जीत लेलक अछि। टीम रवि कें खेलल गेल फाइनल मुकाबला मे भारत कें 191 रन सं पराजित कएलक। दुबई स्थित आईसीसी एकेडमी मे पाकिस्तान समीर मिन्हासक शानदार पारीक बल पर भारतक सामने 348 रनक पैघ लक्ष्य रखने छल।

लक्ष्यक पीछा करैत भारतीय टीम 26.1 ओवर मे 159 रन बनाकए ऑलआउट भए गेल। ओपनर वैभव सूर्यवंशी 26 रन बनाकए आउट भेलाह। दीपेश देवेंद्रन सभ सं बेसी 36 रनक योगदान देलक। पाकिस्तानक दिस सं अली रजा 4 विकेट झटकलनि, जखन कि मोहम्मद सय्याम, हुजैफा अहसान आ अब्दुल सुभान 2–2 विकेट प्राप्त कएलनि।

एहिसं पहिने भारतीय कप्तान आयुष म्हात्रे टॉस जीत कए पहिने गेंदबाजी करबाक फैसला कएने छलाह। पाकिस्तान 50 ओवर मे 8 विकेटक नुकसान पर 347 रन बनाएलक। टीमक लेल समीर मिन्हास शानदार शतक जड़लनि। ओ 113 गेंद पर 172 रनक दमदार पारी खेललनि। अहमद हुसैन 56 रनक योगदान देलनि। भारतक दिस सं दीपेश देवेंद्रन 3 विकेट लेलनि, जखन कि खिलन पटेल आ हेनिल पटेल 2–2 विकेट हासिल कएलनि। कनिष्क चौहान एक विकेट लेलक।

एहि मुकाबला मे भारतक प्लेइंग इलेवन मे आयुष म्हात्रे (कप्तान), वैभव सूर्यवंशी, विहान मल्होत्रा, आरोन जॉर्ज, वेदांत त्रिवेदी, अभिज्ञान कुंडू (विकेटकीपर), कनिष्क चौहान, खिलन पटेल, दीपेश देवेंद्रन, किशन कुमार सिंह आ हेनिल पटेल शामिल रहलाह।

पाकिस्तानक प्लेइंग इलेवन मे फरहान यूसुफ (कप्तान), समीर मिन्हास, उस्मान खान, अहमद हुसैन, हमजा जहूर (विकेटकीपर), हुजैफा अहसन, नकाब शफीक, मोहम्मद शायान, अली रजा, अब्दुल सुभान आ मोहम्मद सय्याम शामिल रहलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here