जिला परिषदक भूमि पर अतिक्रमण बर्दाश्त नहि : मंत्री दीपक प्रकाश
सीतामढ़ी, समदिया
बिहार सरकारक पंचायती राज मंत्री दीपक प्रकाश अपन एकदिवसीय प्रवासक क्रम मे शनिदिन सीतामढ़ी पहुंचलाह। सीतामढ़ी परिसदन मे मंत्रीक अध्यक्षता मे पंचायती राज विभागक जिला आ प्रखंड स्तरीय पदाधिकारिसभक संग विभागीय योजनासभक विस्तृत समीक्षा बैठक आयोजित कएल गेल। बैठक मे संदीप कुमार (उप विकास आयुक्त, पटना मुख्यालय), पंचायती राज विभागक उप सचिव नजर हुसैन, जिला पंचायती राज पदाधिकारी, जिला परिषदक पदाधिकारी सहित सभ प्रखंडक प्रखंड पंचायती राज पदाधिकारी उपस्थित छलाह। बैठकक शुरुआत जिला पंचायती राज पदाधिकारी द्वारा जिला मे संचालित पंचायती राज विभागक विभिन्न योजनाक अद्यतन स्थिति पर विस्तृत प्रतिवेदन प्रस्तुत करब सं भेल, जाहि पर मंत्री द्वारा बिंदुवार समीक्षा कएल गेल।
समीक्षाक दौरान मंत्री दीपक प्रकाश कहलाह जे सीतामढ़ी जिला परिषदक पास कुल 161.56 एकड़ रिक्त भूमि उपलब्ध अछि, जेकर सुनियोजित आ प्रभावकारी विकास सं पैघ पैमाना पर रोजगारक अवसर सृजित कएल जा सकैत अछि। ओ निर्देश देलन्हि जे एहि भूमि खंडक उपयोग दुकानदार, मार्केट कॉम्प्लेक्स, व्यावसायिक प्रतिष्ठान, मॉल आ आवासीय परिसरोंक निर्माण लेल कएल जाए। एहि सं जिला परिषदक आय मे वृद्धि हेत। मंत्री स्पष्ट शब्द मे कहलाह जे जिला परिषदक भूमि पर ककरो द्वारा कोनो प्रकारक अतिक्रमण बर्दाश्त नहि कएल जाएत। ओ अतिक्रमित भूमि केँ शीघ्र अतिक्रमण मुक्त करबाक तथा एहि संबंध मे ठोस कार्रवाई सुनिश्चित करबाक निर्देश देलन्हि। संगहि, रिक्त भूमि सं संबंधित स्पष्ट आ अद्यतन प्रतिवेदन प्रस्तुत नहि कएल जाए, ताहि पर मंत्री गहरी नाराजगी व्यक्त कएलन्हि आ निर्देश देलन्हि जे जिला परिषदक सभ भूमि केर विस्तृत, सत्यापित आ अद्यतन विवरण शीघ्र विभाग कें उपलब्ध कराओल जाए। मंत्री पंचायती राज विभागक विभिन्न योजनासभक क्रियान्वयन मे पारदर्शिता, गुणवत्ता आ समयबद्धता सुनिश्चित करबाक निर्देश देलन्हि। ओ कहलाह जे पंचायत स्तर पर होमय वाला विकास काजक सीधा लाभ आम जनता तक पहुंचयबाक चाही आ एहि मे कोनो प्रकारक लापरवाही बर्दाश्त नहि कएल जाएत। एहि अवसर पर जिला परिषद अध्यक्ष अदिती कुमारी कहलन्हि जे जिला परिषदक भूमि आ संसाधनक बेहतर उपयोग कऽ सीतामढ़ीक विकासक नव दिशाक लेल प्रतिबद्ध छी। मंत्री दीपक प्रकाशक निर्देशानुसार योजनाबद्ध ढंग सं कार्य कयल जाएत, जाहि सं रोजगार सृजन, राजस्व वृद्धि आ पंचायत सभक सशक्तिकरण होयत।
बैठकक उपरांत मंत्री दीपक प्रकाश विभिन्न क्षेत्रक जिला परिषद सदस्य आ हुनकर प्रतिनिधिसभ सं संवाद कएलन्हि। एहि दौरान जनप्रतिनिधि अपन-अपन क्षेत्रक समस्यासभ, विकास संबंधी आवश्यकतासभ आ सुझावसभ मंत्री कें बुझेलन्हि। मंत्री सभ मुद्दा गंभीरतासं सुनलन्हि आ संबंधित अधिकारीसभ कें आवश्यक कार्रवाईक निर्देश देलन्हि। एहि दौरान जिला परिषद सीतामढ़ी अध्यक्ष अदिती कुमारीक आवास पर दही-चूड़ा भोज सेहो आयोजित कएल गेल।



