बिहार विधान सभाक अध्यक्ष विश्व रेडियो दिवसक अवसर पर कहलनि
पटना। बिहार विधान सभाक अध्यक्ष डॉ. प्रेम कुमार विश्व रेडियो दिवसक अवसर पर कहलनि जे ई दिवस रेडियोक महत्ता आ गुणवत्तापूर्ण सशक्त संचार माध्यमक उपयोगिताक पहचान करबाक अवसर प्रदान करैत अछि। रेडियोक वैश्विक स्तर पर भाषाई विचार, संगीत आ स्वच्छ मनोरंजनक विविध पक्षक आदान-प्रदान आ प्रसारण मे सदैव अग्रणी भूमिका रहल अछि। दूर-दराज आ ग्रामीण क्षेत्र मे ई आइयो सभसं सुलभ आ विश्वसनीय संचार माध्यम बनल अछि।
भारतक प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो रेडियोक ‘विश्वसनीय आवाज’ करार दैत कहलनि जे ई दूरस्थ ग्रामीण इलाकासं लए कय चहल-पहल बला शहर धरि सभकें जोड़ैत अछि। भारत मे ऑल इंडिया रेडियो (आकाशवाणी)क शुरुआत वर्ष 1936 मे भेल छल, जे ‘बहुजन हिताय बहुजन सुखाय’क सिद्धांतक संग भारतक लगभग 23 भाषा आ 182 बोली मे आम जनमानस धरि संचार पहुंचबैत अछि।
यूनेस्को द्वारा घोषणा भेलाक बाद वर्ष 2012 मे संयुक्त राष्ट्र महासभा 13 फरवरी कें अंतरराष्ट्रीय रेडियो दिवसक रूप मे अपनौलक। ई दिन संयुक्त राष्ट्र रेडियोक वर्षगांठक प्रतीक सेहो अछि, जकर शुरुआत 13 फरवरी 1946 मे भेल छल। वर्ष 2026क थीम “रेडियो एंड आर्टिफिशियल इंटेलिजेंस” अछि, जे कृत्रिम बुद्धिमत्ताक संग दर्शकक विश्वास बनौने राखबाक विषय सं संबंधित अछि।



