6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

17 सूत्री मांग सभ लेल राजस्व कर्मचारी सभक आंदोलन तेज


बिहार राजस्व सेवा संघ (बिरसा) देलक नैतिक समर्थन

सीतामढ़ी, समदिया

बिहार राज्य भूमि सुधार कर्मचारी संघ (संयुक्त संघर्ष मोर्चा)क बैनर मे प्रदेश भरिक राजस्व कर्मचारी सभ अपन 17 सूत्री लंबित मांग आ वर्तमान कार्य परिस्थितिक विरोध मे आंदोलन पर उतरि गेल छथि। संघक आरोप अछि जे कई वर्ष सं लंबित मांग सभ पर विभाग द्वारा कोनो ठोस आ सकारात्मक पहल नहि कएल गेल, जबकि पूर्व मे विभागीय स्तर पर समझौता आ लिखित आश्वासन देल गेल छल। संघ अनुसार तत्कालीन अपर मुख्य सचिव दीपक कुमार सिंह द्वारा हस्ताक्षरित पत्र माध्यम सं मांग निष्पादनक आश्वासन देल गेल छल, मुदा करीब 8 महीना बीतला उपरांत सेहो कोनो ठोस कार्रवाई नहि भेल। एहि सं कर्मचारी सभ मे आक्रोश आ निराशा व्याप्त अछि।

सीतामढ़ी मे सामूहिक अवकाश, लैपटॉप जमा :

सीतामढ़ी जिलाक समस्त राजस्व कर्मचारी 17 सूत्री मांग समर्थन मे सामूहिक अवकाश पर चलि गेल छथि। अंचल कार्यालय सभ मे अवकाश पर जाए सं पूर्व कर्मचारी सभ विभाग द्वारा देल गेल लैपटॉप सेहो जमा कए देलनि। हुनकर कहब अछि जे जखन धरि गंभीर पहल नहि होएत, आंदोलन जारी रहत।

प्रमुख मांग सभ :

मुख्य मांग सभ मे ग्रेड पे 1900 (लेवल-2)क स्थान पर 2800 (लेवल-5) आ शैक्षणिक योग्यता स्नातक आधार पर 4200 ग्रेड पे, गृह जिला मे पदस्थापन, डोंगल आ मासिक रिचार्ज सुविधा, क्षेत्र भ्रमण लेल मोटरसाइकिल आ इंधन, एक कर्मी कें एके हल्का आ पंचायत प्रभार, निर्धारित कार्य अवधि (10 बजे पूर्वाह्न सं 5 बजे अपराह्न) पालन, अवकाश दिन अनावश्यक कार्यादेश पर रोक, एसीपी/एमएसीपी आ सेवा संपुष्टि क समयबद्ध निष्पादन, कार्यालयीन आधारभूत संरचना उपलब्धता आ पदनाम परिवर्तन कए “सहायक राजस्व पदाधिकारी” लागू करबाक मांग शामिल अछि।

कर्मचारी सभक आरोप अछि जे एक-एक कर्मी कें कई हल्का क प्रभार देल गेल अछि, जाहि सं मानसिक आ शारीरिक दबाव बढ़ि रहल अछि। अवकाश दिनो काज लेला सं पारिवारिक आ सामाजिक जीवन प्रभावित भए रहल अछि।

चरणबद्ध आंदोलन

3 फरवरी 2026 कें पूरा बिहार मे काला बिल्ला लगा कए काज कएल गेल।
5 फरवरी कें जिला मुख्यालय सभ पर एकदिवसीय धरना आ 9 फरवरी कें गर्दनीबाग, पटना मे धरना आयोजित भेल। सकारात्मक पहल नहि देखैत 11 फरवरी सं कर्मचारी सभ अनिश्चितकालीन अवकाश पर छथि। एहि सं अंचल कार्यालय सभक काज प्रभावित भए रहल अछि।

बिरसा कें नैतिक समर्थन : 09 फरवरी 2026 कें बिहार राजस्व सेवा संघ (बिरसा) बयान जारी कए राजस्व कर्मचारी सभक मांग पर नैतिक समर्थन देलक। बिरसा कहलनि जे मांग सभ सेवा शर्त, वेतन विसंगति, पदोन्नति, संसाधन उपलब्धता, कार्य परिस्थिति, सुरक्षा आ सम्मान सं जुड़ल अछि। संघ मानलक जे राजस्व प्रशासनक कार्यक्षमता मे अधीनस्थ कर्मचारी सभक भूमिका अत्यंत महत्वपूर्ण अछि, तेँ हुनकर जायज मांग पर संवेदनशील दृष्टिकोण अपनायल जाए। बिरसा ई सेहो कहलनि जे पूर्व समझौता क अनुपालन सुनिश्चित हो, लंबित सेवा संबंधी मामला समयबद्ध रूप सं निपटाओल जाए आ कार्य परिस्थिति सुधारल जाए। संघ अपेक्षा व्यक्त कयलक जे संवाद आ सकारात्मक पहल द्वारा समाधान निकालल जाए, जाहि सं प्रशासनिक काज आ जनहित प्रभावित नहि होइ।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here