सहरसा, समदिया
सत्तर कटैया प्रखंड अंतर्गत पदमपुर (पंचगछिया रेलवे स्टेशनक समीप) स्थित आश्रम मे दिव्य ज्योति जागृति संस्थान द्वारा 18 सं 24 फरवरी धरि सात दिवसीय श्रीमद्भागवत कथा आ गौशाला उद्घाटन कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। कथा वाचन संस्थानक संस्थापक आशुतोष महाराज क शिष्या, भागवत भास्कर विदुषी आस्था भारती कएलनि।
मीडिया सं बातचीत मे भारती कहलनि जे श्रीमद्भागवत कथाक उद्देश्य समाज मे आध्यात्मिक जागृति आ नैतिक मूल्यक प्रसार करनाय अछि। गौशाला उद्घाटन माध्यम सं गौ संवर्धन आ संरक्षणक संदेश देल गेल। ओ कहलनि जे गायक दूध अमृत तुल्य अछि आ एकर सेवन सं समाज स्वस्थ आ दीर्घायु बनि सकैत अछि। संस्थान गौ संरक्षण लेल संकल्पित अछि। ब्रह्मज्ञान पर प्रकाश डालैत ओ कहलनि जे ध्यान-साधना सं प्राप्त ब्रह्मज्ञान मन कें स्थिर करैत अछि आ व्यक्ति जीवन मे सकारात्मक परिवर्तन आनैत अछि। संत सभ द्वारा जेल मे सेहो ब्रह्मज्ञान माध्यम सं अपराधी सभक जीवन मे सुधार आनल गेल अछि।
भगवान दर्शन संबंधी प्रश्न पर ओ अर्जुन आ श्री कृष्णक उदाहरण देत कहलनि जे जेना अर्जुन कें दिव्य चक्षु भेटला पर विराट स्वरूपक दर्शन भेल, ओहिना ब्रह्म कें जानि ईश्वर साक्षात्कार संभव अछि। ओ कहलनि जे कलियुग मे मदिरापान, हिंसा, जुआ, परस्त्रीगमन आ अनीति सं दूर रहि समाज मे नैतिकता आ धर्म स्थापना संभव अछि।



