6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

स्वर कोकिला शारदा सिन्हाक बिगड़ल स्वास्थ्य, दिल्ली एम्स मे भेलीह भर्ती

पटना, समदिया

लोक गीतक लेल दुनियां भरि मे प्रसिद्ध मिथिलाक लोक गायिका पद्मभूषण शारदा सिन्हा बीमार पड़ि गेल छथि। स्वास्थ्य बिगड़लाक बाद हुनका दिल्ली स्थित एम्स मे भर्ती कराओल गेल अछि, जतय हुनकर हालति गंभीर बनल अछि। किछु दिन पहिने हुनकर पतिक निधन भए गेल छल।

असल मे 26 अक्टूबरक भोर मे अचानक शारदा सिन्हाक स्वास्थ्य खराब भए गेल छल, जाहि कारणें हुनका अस्पताल मे एडमिट कराओल गेल अछि। बताओल जा रहल अछि जे पिछला एक हप्ता सं हुनका खेबा-पीबा मे बहुत परेशानीक सामना करय पड़ि रहल छल, जाहि लेल ओ दिल्ली स्थित एम्स मे इलाज सेहो कराबय गेल छलीह। मुदा भोर मे अचानक हुनकर स्वास्थ्य बेसी बिगड़ि गेल। शारदा सिन्हाक पुत्र अंशुमान बतौलनि जे हुनकर माता कें आईसीयू मे शिफ्ट कएल गेल अछि।

अंशुमान बतौलनि जे मां केर इलाज डॉ. राजा प्रमाणिकक स्पेशल केयर यूनिट मे चलि रहल अछि। स्थिति मे किछु सुधार भेल छल आ ओ आईसीयू सं बाहर आबि गेल छलीह, मुदा फेर अचानक स्वास्थ्य बिगड़ि गेल। एहि कारणें हुनका फेर सं आईसीयू मे शिफ्ट कएल गेल अछि।

शारदा सिन्हा मैथिली, मगही आ भोजपुरी भाषाक प्रसिद्ध गायिका छथि। ओ ने केवल बिहार मे, बल्कि बाहर सेहो अपन गाओल छठि गीत सभक लेल बहुत प्रसिद्ध छथि। सब साल छठिक समय ओ नवका गाना रिलीज करैत छथि, मुदा एहि बेर पतिक निधनक कारण ओ गाना नहि बना सकलीह। एकर अतिरिक्त बिहार मे सब विवाह आ अन्य पारंपरिक अवसर पर हुनकर गाओल विवाह गीत जरूर बजैत अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here