6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

माता सीताक जन्मक गाथाक अस्पष्टता पर संधान हो : डॉ धनाकर ठाकुर

अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक 266म गूगल बैठक रामानंद मंडल, सीतामढ़ीक अध्यक्षतामे भेल।
डॉक्टर धनाकर ठाकुर मिथिलाक वैदिक आओर पौराणिक एवं ऐतिहासिक कालक इतिहास पर विशद प्रकाश देलन्हि। ओ कहलन्हि कि मिथिलाक इतिहास गौरवशाली रहल अछि। चंद्रगुप्त आओर अशोकक समयमे किछुए समय लेल छोड़ि मिथिला सदैव स्वतंत्र रहल। अजातशत्रु मिथिला पर पहिल बेर आधिपत्य केलक।
मिथिला राज्य संघर्ष समितिक महासचिव अधिवक्ता प्रमोद कुमार झा, मधुबनी कहलन्हि कि बृहद् विष्णु पुराणमे मिथिलाक सीमा स्पष्ट रूप सं बताओल गेल अछि आओर ओहिक लेल मिथिला राज्यक मांग कएल जा रहल अछि।
शैलेंद्र झा मुंबईसं कहलाह जे मिथिला राज्यक बनने बिना मिथिलाक पौराणिक आओर ऐतिहासिक स्थलसभक उपेक्षा होइत रहत। ओ मिथिलाक सांसदसभसं अपील केलाह कि ओसभ मिथिलाक मुद्दासभकें प्रधानमंत्रीक समक्ष जोरदार शब्दमे उठबथि ताकि मिथिला राज्य बनए। आसनसोलक शिक्षिका पूनम झा धन्यवाद ज्ञापन केलीह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here