6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

आबि गेल फैसला, 6 सं 9 नवंबर धरि बंद रहत बिहारक सब स्कूल

पटना, समदिया

बिहार मे दीपावली सं छठ पर्व धरि छुट्टी कें लए कए शिक्षक लोकनि कें एकटा पैघ खुशखबरी भेटल अछि। आब बिहारक सब स्कूल मे 6 सं 9 नवंबर धरि छुट्‌टी रहत। खरनाक दिन आब स्कूल बंद रहत। एहि सं पहिने बिहारक शिक्षा मंत्री सुनील कुमार कहलनि जे दिवाली आ छठि महापर्व कें ध्यान मे राखि स्कूल सभ मे छुट्टी पर विचार कएल गेल अछि। बिहार सरकार एही बेर दिवाली पर एक दिन आ छठि महापर्व पर 7 नवंबर सं 9 नवंबर धरि 3 दिनक छुट्टी देने अछि। मुदा शिक्षक लोकनि एहि निर्णय सं आक्रोश मे छलाह।

एहि मामला मे शिक्षक संघ अपन आपत्ति सेहो दर्ज करा चुकल छल। शिक्षक संघ कहैत अछि जे सब साल दिवाली सं छठ धरि स्कूल मे छुट्टी रहैत अछि। शिक्षक संघक मांग पर शिक्षा मंत्री सुनील कुमार विचार करबाक आश्वासन देलनि अछि, मुदा ओ शर्त रखलनि अछि जे शिक्षक लोकनि कें सेहो ध्यान राखय पड़त जे बच्चाक सिलेबस पूरा होमक चाही।

शिक्षा मंत्री सुनील कुमार कहलनि जे बच्चाक लेल शिक्षा बहुत जरूरी अछि। ओ कहलनि जे पहिने सेहो छुट्टी बढ़ेबाक निर्णय हमरा लोकनि लए चुकल छी। हम एहि पर फेर सं विचार करब मुदा पठन-पाठन आ सिलेबस पूरा करब शिक्षक लोकनिक कर्तव्य अछि। ओ कहलनि जे जिउतिया पर्व मे सेहो छुट्टी देल गेल छल।

एहि क्रम मे ओ सरकारी स्कूल मे सुविधाक बारे मे कहलनि जे सरकार सब क्षेत्र मे निर्णय लेलक अछि। सब स्कूल कें 50000 टाका देल गेल अछि। एहि मे प्रधानाचार्य पेयजल, शौचालय आ अन्य छोट-छोट काज कए सकैत छथि। एहि सं छोट-छोट समस्या दूर होयत।

शिक्षकक ट्रांसफर कें लए कए शिक्षा मंत्री सुनील कुमार कहलखिन जे ट्रांसफर पॉलिसी हमरा लोकनि बना चुकल छी। 2 सं 4 दिन मे सॉफ्टवेयर सेहो डेवलप भए जायत। जखन सॉफ्टवेयर डेवलप होयत, तं 15 सं 20 दिन मे समय देब, ताकि आवेदन ओहि पर अपलोड कए सकी।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here