9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

डीजीपी सं भेट कय विधायक कोइलख मंदिर चोरी घटनाक संबंधी जानकारी देलनि

राजनगर, समदिया

राजनगरक नवनिर्वाचित विधायक सुजीत पासवान नव वर्षक अवसर पर बिहार पुलिस महानिदेशक विनय कुमार सं शिष्टाचार भेट कय नव वर्षक शुभकामना देलनि आ हुनकर नेतृत्व मे राज्य भरि मे बेहतर पुलिसिंग लेल बधाई देलनि।

एहि दौरान हालक दिनसभ मे राजनगर थाना क्षेत्र अंतर्गत अंधराठाढ़ी आ राजनगर इलाका मे भए रहल चोरी-लूटक घटनाक ओर ध्यान आकृष्ट करेलनि, विशेष रूप सं मां भद्रकाली मंदिर कोइलख मे भेल चोरीक घटना सं अवगत करौलनि। विधायक सुजीत पासवान डीजीपी सं आग्रह केलनि जे जिला पुलिस प्रशासन कें निर्देश देल जाय जाहि सं ओ सभ मुस्तैदी आ फ्रेंडली पुलिसिंगक भावना सं अपन कर्तव्यक निर्वहन करथि।

विदित अछि जे नवनिर्वाचित विधायक सुजीत पासवान अपन क्षेत्र आ बिहार सं जुड़ल जनसमस्या केँ लए कय लगातार राज्य सरकार आ केंद्र सरकारक मंत्रीसभ सं भेट करैत समस्या समाधान लेल प्रयासरत छथि। हुनकर एहि पहल के सर्वत्र सराहना कएल जा रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here