काली स्थान बेहटा मे दर्शन लेल उमड़ि रहल अछि श्रद्धालु सभक भीड़
बेनीपट्टी, समदिया
मुख्यालय स्थित बेहटा कालीस्थान मे चलि रहल ग्यारह दिवसीय शिव पार्थिव पूजन आ रुद्राभिषेक सं समूचा वातावरण भक्तिमय भ’ उठल अछि। आचार्य डॉ. त्रिभुवन कुमार झा केर नेतृत्व मे पार्थिव पूजन सम्पन्न भ’ रहल अछि आ पंडित सभक मंत्रोच्चार सं वातावरण अत्यंत दिव्य बनि गेल अछि। विधि-विधान आ मंत्रोच्चार संग बाबा भोलेनाथ केर पार्थिव स्वरूपक पूजन कएल जा रहल अछि।
कालीस्थान मे स्थापित भगवान भोलेनाथ, माता पार्वती, गणपति गणेश, कार्तिकेय, श्रीरामचंद्र, माता जानकी, लक्ष्मण आ राधा–कृष्ण केर प्रतिमा श्रद्धालु सभ लेल आकर्षणक केंद्र बनल अछि। स्थानीय ग्रामवासी सहित दूर-दराज सं भक्तजन पार्थिव पूजन आ रुद्राभिषेक देखबाक आ एहि पुण्य अवसरक लाभ लेबाक लेल पहुंचि रहल छथि।
श्री श्री 108 श्री ग्राम डीहवार शिव शक्ति पूजा समिति केर अध्यक्ष कन्हैया झा बतौलनि जे शिव पार्थिव पूजन सह रुद्राभिषेकक ई सातम वर्ष अछि। पूजा अवसर पर अनेक कार्यक्रम आयोजित कएल गेल अछि। 17 फरवरी सं शिव पार्थिव पूजन सह रुद्राभिषेक विधि-विधान संग श्रद्धापूर्वक कएल जा रहल अछि, जे 23 फरवरी धरि चलत। ओहि दिन राति मे बधाई महोत्सव आयोजित कएल जाएत।
24 फरवरी के मूर्ति आ मंडप पूजन, हवन तथा राति मे कुँवारी कन्या, बटुक, ब्राह्मण, संत-संन्यासी महाभंडारा आयोजित कएल जाएत। 25 फरवरी के संध्या समय विसर्जन शोभायात्रा निकालि सभ देवी-देवता केर प्रतिमा विसर्जन कएल जाएत।
अध्यक्ष बतौलनि जे प्रतिदिन मां भवानी केर भव्य श्रृंगार कएल जा रहल अछि। संगहि प्रातःकाल सं पंडित सभ द्वारा विभिन्न पाठ कएल जा रहल अछि। राति मे महाआरती आ महाप्रसाद वितरणक भव्य आयोजन होइत अछि, जाहि मे सैकड़ो भक्त सहभागी होइत छथि।



