6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

विधान पार्षद सदन मे एमडीएम सं जुड़ल विषय कें प्रमुखता सं उठौलनि

बेनीपट्टी, समदिया

विधान पार्षद घनश्याम ठाकुर सदन मे बिहार राज्य मध्याह्न भोजन योजना (एमडीएम) सं जुड़ल महत्वपूर्ण विषय के प्रमुखता सं उठौलनि। हुनका द्वारा वर्ष 2006–07 सं राज्य, जिला आ प्रखंड स्तर पर कार्यरत संविदा पदाधिकारी,कर्मी सभक मानदेय, सेवा शर्त आ अन्य सुविधा संबंधी विषय पर सरकार सं स्पष्ट जवाब मांगल गेल। सरकार अपन उत्तर मे स्वीकार कएलक जे समय–समय पर मानदेय मे वृद्धि कएल गेल अछि, मुदा वर्तमान महँगाई आ बढ़ैत जिम्मेदारी अनुरूप एखनहुँ व्यापक सुधारक आवश्यकता अछि। विद्यालय निरीक्षण, नामांकन, पोषण ट्रैकिंग, ऑनलाइन रिपोर्टिंग आ वित्तीय प्रबंधन जेकां महत्वपूर्ण दायित्व निभाब वाला कर्मी सभ के न्यायसंगत मानदेय आ उचित सुविधा भेटबाक चाही।

एमएलसी कहलनि जे हुनकर स्पष्ट मत अछि जे बच्चा सभक पोषण आ शिक्षा के आधार बनल एहि कर्मी सभक मनोबल मजबूत करब राज्य सरकारक प्राथमिकता होबाक चाही। हुनका द्वारा कहल गेल जे जनहितक एहि मुद्दा पर सदन माध्यम सं सरकारक ध्यान आकृष्ट कएल गेल अछि आ आगाँ सेहो एहि मांग सभक समर्थन मे आवाज उठबैत रहताह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here