11.7 C
London
Sunday, March 1, 2026

एसएनएस महाविद्यालयक विकास लेल महापौर बैन प्रिया देलनि आश्वासन

सहरसा, समदिया

सर्व नारायण सिंह रामकुमार सिंह महाविद्यालय मे महापौर बैन प्रिया आ सिंडिकेट सदस्य मेजर डॉ. गौतम कें प्रधानाचार्य प्रो. (डॉ.) अशोक कुमार सिंह द्वारा अंगवस्त्र आ पुष्पगुच्छ दए कए सम्मानित कएल गेल। एहि अवसर पर महापौर महाविद्यालय परिसरक निरीक्षण सेहो कएलनि। निरीक्षण दौरान महापौर बैन प्रिया प्रधानाचार्य सं कहलनि जे महाविद्यालयक सौन्दर्यीकरण आ आधारभूत सुविधा विकास लेल जे किछु आवश्यकता हो, ओकर सूची उपलब्ध कराओल जाय। नगर निगम तरफ सं हरसंभव सहयोग देल जाएत। प्रधानाचार्य प्रो. (डॉ.) अशोक कुमार सिंह मुख्य सड़क सं महाविद्यालय धरि जर्जर सड़क निर्माण, मुख्य सड़क पर भव्य प्रवेश द्वार निर्माण, पश्चिमी परिसर मे हाई मास्क लाइट व्यवस्था, महिला आ पुरुष लेल अलग शौचालय निर्माण आ मंच चौड़ीकरणक मांग रखलनि।

महाविद्यालय शिक्षक संघ अध्यक्ष डॉ. अनिल कुमार सिंह प्रतिदिन कचरा उठाव, ट्रॉली आ डस्टबीनक समुचित व्यवस्था करबाक मांग कएलनि। शिक्षक संघ सचिव डॉ. रंजय कुमार सिंह मुख्य सड़क सं परिसर धरि दूनू कात स्ट्रीट लाइट लगाबय लेल आग्रह कएलनि। महापौर बैन प्रिया आश्वासन देलनि जे सभ मांग लिखित रूपेँ नगर आयुक्त अथवा हुनकर कार्यालय कें देल जाय, ताकि आवश्यक कार्रवाई कए समस्या समाधान कएल जा सकय। एहि अवसर पर प्रो. गौतम कुमार सिंह, डॉ. प्रमोद कुमार सिंह, डॉ. निर्पेंद्र कुमार सिन्हा, डॉ. सैयद रबाब फातिमा, डॉ. धर्मव्रत चौधरी, डॉ. आर्य सिंधु, डॉ. संजय कुमार सिंह, डॉ. अनिरुद्ध कुमार, डॉ. सुभाष आ ओम प्रकाश सिंह सहित महाविद्यालयक शिक्षक आ कर्मचारी उपस्थित छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here