शिक्षा मंत्री विधानसभा मे देलनि संकेत
पटना, समदिया
बिहारक शिक्षा मंत्री सुनील कुमार शिक्षक सभक म्यूचुअल ट्रांसफरक पोर्टल फेर सं खोलबाक संकेत देलनि अछि। मंगल कें विधानसभा मे भाकपा माले विधायक संदीप सौरभक सवालक जवाब दैत मंत्री कहलनि जे विभाग शिक्षकक स्थानांतरण नीति पर गंभीरता सं मंथन कए रहल अछि।
असल मे विधायक संदीप सौरभ सदन मे ई मुद्दा उठेलनि जे सरकारक द्वारा अचानक म्यूचुअल ट्रांसफर पोर्टल बंद कए देला सं शिक्षक सभके भारी परेशानी भए रहल अछि। ओ कहलनि जे कतेको शिक्षक अपन घर सं दू सौ सं तीन सौ किलोमीटर दूर स्कूल मे रहि कए बच्चा सभके पढ़ा रहल छथि। संदीप सौरभक बातक समर्थन करैत आन विधायक सभ सेहो कहलनि जे घर सं दूर तैनात शिक्षक मानसिक रूप सं परेशान रहैत छथि, जाहि सं गुणवत्तापूर्ण शिक्षा देनाय कठिन भए जाइत अछि।
एहि पर जवाब दैत शिक्षा मंत्री सुनील कुमार कहलनि जे सरकार शिक्षक सभक स्थानांतरण लेल नव नीति पर विचार कए रहल अछि। ओ स्पष्ट कएलनि जे म्यूचुअल आ सामान्य स्थानांतरण, दुनू प्रक्रिया पर सरकार समग्र रूप सं विचार करैत अछि।
मंत्रीक एहि बयान सं ओहि शिक्षक सभ मे राहत देखल गेल अछि, जे सालो सं अपन घर सं दूर-दराज क्षेत्र मे तैनात छथि आ स्थानांतरणक बाट जोहि रहल छथि। हालांकि वर्ष 2025 मे करीब दू लाख शिक्षकक स्थानांतरण भेल छल, मुदा एखन धरि एक लाख सं बेसी एहन शिक्षक छथि, जे स्थानांतरण लेल आवेदन देलनि छलाह, मुदा विभागक दिस सं ओकरा पर कोनो कार्रवाई नहि भेल अछि।



